१९४३

१९४३ ग्रेगोरियन क्यालेन्डरक एक साधारण वर्ष छी ।

घटनासभ

अक्टुबर-दिसम्बर

जन्म

अक्टुबर-दिसम्बर

निधन

अनिता अग्सपर्ग

अनिता अग्सपर्ग (२२ सितम्बर १८५७ वर्डन ए डेर एलेर – २० दिसम्बर १९४३ ज्युरिक) एक जर्मन न्यायविद्, अभिनेत्री, लेखक, कट्टरपन्थी नारीवादी आन्दोलनक कार्यकर्ता आ शान्तिवादी छल।

एचभिआर आयङ्गर

हूराव वरदराज आयंगर १ मार्च १९५७ से लके २८ फरवरी १९६२ तक भारतीय रिज़र्व बैंक के छठम गवर्नर छल। अपन नियुक्ति के पूर्व ओ भारतीय सिविल सेवा के सदस्य आर भारतीय स्टेट बैंक के अध्यक्ष रही चुकल अछी।

ओसबोर्न स्मिथ

सर ओसबोर्न आरकेल स्मिथ (२६ दिसम्बर १८७६ - २० अगस्त १९५२) १ अप्रैल १९३५ सँ ३० जुन १९३७ धरि भारतीय रिजर्व बैंकक पहिल गभर्नर छल ।स्मिथ एक व्यवासायिक बैंकर छल आ ओ आस्ट्रेलियाक कमनवेल्थ बैंकमे २० वर्ष आ न्यु साउथ वेल्स बैंकमे १० वर्षक सेवा केनए छल । सन् १९२६ मे ओ इम्पेरिएल बैंक आफ इन्डियाक प्रबन्धक गभर्नर बनल । सन् १९३५ अप्रैल १ के हुनका भारतीय रिजर्व बैंकक गभर्नर नियुक्त कएल गेल । ओ अपन कार्यकालमे कोनो बैंक नोट पर हस्ताक्षर नै केलक ।

के जी अम्बेगाओङ्कर

के जी अम्बेगाओंकर १४ जनवरी १९५७ से लके २८ फरवरी १९५७ तक भारतीय रिज़र्व बैंक के पांचम गवर्नर छल। वह भारतीय सिविल सेवा के सदस्य छल आर भारतीय रिजर्व बैंक के डिप्टी गवर्नर के रूप मे अपन नियुक्ति से पहिले वित्त सचिव के रूप मे सेवा करि चुकल छल।

जेम्स ब्रेड टेलर

सर जेम्स ब्रेड टेलर (२१ अप्रैल १८९१ - १७ फरबरी १९४३) भारतीय रिजर्व बैंकक प्रथम डिप्टी गभर्नर आ ओसबोर्न स्मिथक बाद दोसर गभर्नर छल । ओ १ जुलाई १९३७ सँ १७ फरबरी १९४३ के अपन मृत्यु धरि इ पद सम्भाललक ।

१ अप्रैल १९३५ के हिनका तथा सर सिकन्दर हयात खानके भारतीय रिजर्व बैंकक प्रथम डिप्टी गभर्नर नियुक्त कएल गेल । १ जुलाई १९३७ के ओ गभर्नरक पद पर पदोन्नत भेल्न्हि ।

तनुजा

तनुजा भारतीय चलचित्र क्षेत्रक एक बहुप्रसिद्ध अभिनेत्री छी ।

देविका रानी

देविका रानी (जन्म: ३० मार्च, १९०८ निधन: ८ मार्च, १९९४) हिन्दी चलचित्रकी एक अभिनेत्री छथि। निःसन्देह भारतीय सिनेमाक लेल देविका रानको योगदान अपूर्व छल आ हमेशा सदैव याद रहत । जे जमानामे भारतक महिलासभ घरक चार दिवारक भितर घुघटमे रहैत छल , देविका रानी चलचित्रसभमे काम करै ओ अदम्य साहसक प्रदर्शन केनेए छल । हिनका अद्वितीय सुन्दरताक लेल सेहो याद करैत अछि।

पिसी भट्टाचार्य

पी सी भट्टाचार्य १ मार्च १९६२ से लके ३० जून १९६७ तक भारतीय रिजर्व बैंक सातम गवर्नर छल। अपन पूर्ववर्तिसभ के विपरीत ओ भारतीय लेखा परीक्षा आर लेखा सेवा के सदस्य छल। गवर्नर के रूप मे नियुक्ति से पहिले ओ भारतीय स्टेट बैंक के अध्यक्ष आर वित्त मंत्रालय के सचिव के रूप मे सेवा केलक।

बिमल जालान

बिमल जालान वर्तमान राज्यसभा के सांसद छी।

ओ २२-११-१९९७ सँ ०६-०९-२००३ धरि भारतीय रिजर्व बैंक के गवर्नर रहल।

बीएस येदयुरप्पा

बुकानाकेरे सिद्धलिङ्गप्पा येदयुरप्पा (जन्म २७ फरवरी १९४३) एक भारतीय राजनीतिज्ञ छी आ वर्तमानमे कर्नाटककें मुख्यमन्त्री छी। येदियुरप्पा चारिमबेर कर्नाटक कें मुख्यमन्त्री कें रूपमे कार्य करि रहल अछि, ओ कर्नाटककें इतिहासमे एहन केनिहार एकमात्र मुख्यमन्त्री छी।

२००८ मे, कर्नाटक विधानसभा चुनावमे भाजपाक जीतक बाद येदियुरप्पा मुख्यमन्त्री बनल जे दक्षिण भारतीय राज्यमे भाजपाक लेल पहिलबेर छल। २०११ मे, हिनका भ्रष्टाचारक एक मामलामे दोषी ठहराओल गेलाक बाद इस्तीफा देबऽ पड़ल छल। २०१६ मे हिनका मुक्त करि देलगेल। भाजपा उच्चनिकाय द्वारा दयुरप्पासँ भेटल कथित दुर्व्यवहारक कारण हुनका द्वारा भाजपा छोड़ि अपन पार्टी कर्नाटक जनता पक्षक गठन कएल गेल। मुदा २०१४ मे ओ अपन पार्टीकें भाजपामे समासेश करि लेलक आ बादमे शिमोगा निर्वाचन क्षेत्रसँ १६हम लोकसभाक लेल चुनलगेल जकरा ओ मई २०१८ मे कर्नाटक विधानसभाक लेल चुनल गेलाक बाद छोड़ि देलक। १७ मई २०१८ कऽ ओ कर्नाटककें मुख्यमन्त्रीक रूपमे शपथ लेलक कार्यालयमे हिनकर तेसर कार्यकाल। विधानसभामे बहुमतक समर्थन लेबऽमे असमर्थ भेलाक बाद ओ पद ग्रहण केलाक दु दिनक बाद अपन राजिनामा दऽ देलक आ एचडी कुमारस्वामी द्वारा सीएमक रूपमे शपथ लेनए छल। एचडी कुमारस्वामीक सरकार द्वारा २३ जुलाई २०१९ कऽ अपन बहुमतक समर्थन पाबऽमे असमर्थ भेलाक बाद ओ कर्नाटककें मुख्यमन्त्री बनल आ २६ जुलाई २०१९ कऽ कर्नाटककें मुख्यमन्त्रीक रूपमे शपथ लेलक आ ओहि महीनाक २९अम दिन अपन बहुमत साबित केनए छल।

बेनेगल रामा राव

सर बेनेगल रामा राव (१ जुलाई १८८९ - १३ दिसम्बर १९६९) १ जुलाई १९४९ से लके १४ जनवरी १९५७ तक भारतीय रिज़र्व बैंक के चौथा गवर्नर छल।

भारतीय सिविल सेवा मे शामिल होए के बाद एवं भारतीय रिजर्व बैंक के शामिल होए से पहिले ओ निम्न पदसभ पर कार्य केलक -

मद्रास सरकार के उप सचिव (1919–1924)

वित्त विभाग (१९२५-१९२६) मे भारतीय कराधान समिति के सचिव

वित्त विभाग (१९२६-१९२८) मे उप सचिव

साइमन कमिशन (१९२८-१९३०) के वित्तीय सलाहकार

उद्योग विभाग के संयुक्त सचिव

गोलमेज सम्मेलन के सचिव

संसद क संयुक्त प्रवर समिति मे भारतीय विधेयक (१९३१-१९३४)

लंदन मे भारत के उप उच्चायुक्त (१९३४-१९३८)

दक्षिण अफ्रीका मे भारत के उच्चायुक्त (१९३८-१९४१)

भारतीय रिजर्व बैंक

भारतीय रिजर्व बैंक (अङ्ग्रेजी: Reserve Bank of India) भारतक केन्द्रीय बैंक छी । ई भारतक सभ बैंकक सञ्चालक छी । रिजर्व बैक भारतक अर्थव्यवस्थाक नियन्त्रित करैत अछि।

एकर स्थापना १ अप्रैल सन् १९३५ क रिजर्व बैंक अफ इन्डिया ऐक्ट १९३४ क अनुसार भेल । प्रारम्भमे एकर केन्द्रीय कार्यालय कोलकातामे छल जे सन् १९३७ मे मुम्बईमे घसकाओल गेल । पहिने ई एक निजी बैंक छल किन्तु सन् १९४९ सँ ई भारत सरकारक उपक्रम बनल अछि । डा॰ रघुराम राजन भारतीय रिजर्व बैंकक वर्तमान गभर्नर छी, जे सितम्बर २०१३ क पदभार ग्रहण करने अछि ।

मनमोहन सिंह

मनमोहन सिंह ((पञ्जाबी: [mənˈmoːɦən ˈsɪ́ŋɡ]; पञ्जाबी: ਮਨਮੋਹਨ ਸਿੰਘ; जन्म : २६ सितम्बर १९३२) भारत गणराज्यक १३अम प्रधानमन्त्री छल । संगे ओ एक अर्थशास्त्री सेहो छल । लोकसभा चुनाव २००९मे मिलल जीतक बाद ओ जवाहरलाल नेहरूक बाद भारतक पहिल एहन प्रधानमन्त्री बनल, जेकर पाँच वर्षक कार्यकाल सफलता पूर्वक पूरा करिक बाद लगातार दोसर बेर प्रधानमन्त्री बनिक अवसर मिलल छल ।

रघुराम राजन

रघुराम राजन (पूरा नाम: रघुराम गोविन्द राजन, तमिल: ரகுராம் கோவிந்த ராஜன் जन्म: 3 फरबरी 1963) भारतीय रिजर्व बैंकक २३अम गभर्नर छी । ४ सितम्बर २०१३ के दुव्वुरी सुब्बारावक सेवानिवृत्तिक पश्चात रघुराम ई पदभार ग्रहण केनए अछि । ई पदसँ पहिने ओ प्रधानमन्त्री, मनमोहन सिंहक प्रमुख आर्थिक सल्लाहकार आ शिकागो विश्वविद्यालयक बुथ स्कुल अफ बिजनेसमे एरिक जे ग्लिचर फाइनान्सक गणमान्य सर्विस प्रोफेसर छल । सन् २००३ सँ सन् २००६ धरि ओ अन्तर्राष्ट्रिय मुद्रा कोषक प्रमुख अर्थशास्त्री आ अनुसन्धान निर्देशक आ भारतमे वित्तीय सुधार कऽ लेल योजना आयोगद्वारा नियुक्त समितिक नेतृत्व सेहो केलक ।राजन मेसाचुसेट्स इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजीक अर्थशास्त्र विभाग आ स्लोन स्कुल अफ म्यानेजमेन्ट; नर्थवेस्टर्न विश्वविद्यालयक क्यालौग स्कुल अफ म्यानेजमेन्ट आ स्टकहोम स्कुल अफ इकोनोमिक्समे अतिथि प्रोफेसर सेहो रहल छल । ओ भारतीय वित्त मन्त्रालय, विश्व बैंक, फेडरल रिजर्व बोर्ड आ स्वीडिश संसदीय आयोगक सल्लाहकारक रूपमे सेहो काम केनए अछि । सन् २०११ मे ओ अमेरिकी फाइनान्स ऐसोसिएसनक अध्यक्ष छल तथा वर्तमान समयमे अमेरिकन एकेडेमी अफ आर्ट्स एन्ड साइन्सेजक सदस्य छी ।

लेबनान

लेबनान (/ˈlɛbənɒn/; /ˈlɛbənən/; अरबी: لُبْنَان‎ Lubnān) आधिकारिक नाम: गणतन्त्र लेबनान(अरबी: اَلْجُمْهُورِيَّة اَللُّبْنَانِيَّة al-Jumhūrīyah al-Lubnānīyah; फ्रान्सेली: République libanaise), भूमध्य सागरक पूर्व दिशामे अवस्थित एक एसियाली राष्ट्र छी । एकर उत्तर आ पूर्वमे सीरिया, पश्चिममे भूमध्य सागर आ दक्षिणमे इजरायल अवस्थित अछि । ई देशक राजधानी शहर बेरुत छी ।

शेफालिका वर्मा

शेफालिका वर्मा (जन्म:९ अगस्त, १९४३) भारतक बिहार राज्यक भागलपुरमे भेल छल । ओ पटना विश्वविद्यालयसँ विद्यावारिधि केनए अछि आ एएन कलेज, पटनामे हिन्दीक प्राध्यापिका पदसँ सेवानिवृत्त भऽ गेल अछि । हुनकर साहित्यिक रचनासभमे मूलतः नारी मनक ग्रन्थि खोलि करुण रससँ भरल रहैत अछि । हुनका सन् २०१२ मे हुनकर रचित रचना किस्त–किस्त जीवनक लेल साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित कएल गेल छल ।

सिडी देशमुख

सिडी देशमुख (पूरा नाम: चिन्तामणि द्वारकानाथ देशमुख, जन्म: १४ जनवरी १८९६, मृत्यु: २ अक्बटुर १९८२) भारतीय रिजर्व बैंकक पहिल भारतीय गभर्नर छल, जेकरा सन् १९४३ मे ब्रिटिश राजद्वारा नियुक्त कएल गेल छल । ब्रिटिश राज हुनका सर क उपाधि देनए छल । एकर पश्चात् ओ केन्द्रीय मन्त्रीमण्डलमे भारतक तेसर वित्त मन्त्रीक रूपमे सेहो सेवा केलक ।

सी रङ्गराजन

सी रंगराजन राज्यसभा के सांसद एवं प्रसिद्ध अर्थशास्त्री छी। ओ भारत के प्रधानमंत्री क आर्थिक सलाहकार परिषद के अध्यक्ष छी।

सुमित्रा महाजन

सुमित्रा महाजन (जन्म: १२ अप्रैल १९४३) भारतीय राजनेता छी । वर्तमानमे ओ भारतक लोकसभा क अध्यक्ष छी । ओ ई पदमे आसिन होएवाला भारतक दोसर महिला छी । ओ भारतक इन्दौर लोक सभा निर्वाचन क्षेत्र सँ भारतीय जनता पार्टीक सोह्रौ लोक सभामे सांसद छी । ओ इन्दौर सँ लगातार वर्ष १९८९,१९९१, १९९६, १९९८, १९९९, २००४, २००९ आर हाल २०१४ मे आठम बेर सांसद बनल अछि ।

अन्य भाषासभमे

This page is based on a Wikipedia article written by authors (here).
Text is available under the CC BY-SA 3.0 license; additional terms may apply.
Images, videos and audio are available under their respective licenses.