१९१६

१९१६ ग्रेगोरियन क्यालेन्डरक एक साधारण वर्ष छी ।

घटनासभ

अक्टुबर-दिसम्बर

जन्म

अक्टुबर-दिसम्बर

निधन

अन्दीझान

अन्दीझान या अन्दीजान (उज्बेक: Андижон, रूसी: Андижан, चगताई: اندیژان‎, अङग्रेजी: Andijan) मध्य एशियाक उज्बेकिस्तान देशके चारिम सभसँ पैग शहर छी आ ओ देशके अन्दीझान प्रान्तक राजधानी छी। ई फरगना बगैचामे उज्बेकिस्तानक किर्गिजस्तानक सीमाक साथमे ही स्थित अछि। सन् १९९९ क जनगणनामे ई शहरक जनसंख्या ३,२३,९०० अनुमानित कएल गेल छल। ई भारतक मुगल साम्राज्यक संस्थापक आ पहिल सम्राट बाबरक जन्मस्थल सेहो छी। अन्दीझान शहरक बीचमे एकर सभसँ महत्त्वपूर्ण सार्वजनिक केन्द्र 'बाबर चौक' कहावैत अछि।

एन्डीजान देशमे एक महत्वपूर्ण औद्योगिक शहर अछि। शहरमे निर्मित उत्पादित सामानसभमे रसायन, घरेलू उपकरणसभ, इलेक्ट्रोनिक्स, खाद्य पदार्थ, फर्नीचर, हल, पम्प, जूता, खेती मशीनसभक लेल स्पेयर पार्ट्स, विभिन्न इन्जिनीयरिङ उपकरण आ व्हीलचेयर शामिल अछि।

अर्जेन्टिना राष्ट्रिय फुटबल टिम

अर्जेन्टिना राष्ट्रिय फुटबल टिम (स्पेनी: Selección de fútbol de Argentina)सेलेक्सीयोन डे फुटबल डे आर्हेन्टीना अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल प्रतियोगितासभमे अर्जेन्टिनाक प्रतिनिधित्व करैत अछि ।

उरुग्वे राष्ट्रिय फुटबल टिम

उरुग्वे राष्ट्रिय फुटबल टिम अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल प्रतियोगितामे उरुग्वेक प्रतिनिधित्व करैत अछि आ उरुग्वे फुटबल एसोसिएशनद्वारा नियन्त्रित कएल जाएत अछि । टिम सामान्यतः लोस खर्रुअस् या ला सेलेस्ते कऽ रूपमे सेहो जानल जाएत अछि । उरुग्वे कोपा अमेरिका फुटबल प्रतियोगिता अखन धरि कीर्तिमानी १५ बेर जित्ने अछि । ई टिम २ बेर फिफा विश्वकप जितल अछि जहिमे उद्घाटन फिफा विश्वकप १९३० आ १९५० सामिल रहल अछि । ई टिम २ बेर ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक खेलक फुटबल विधामे सेहो स्वर्ण पदक जित्ने अछि जहिमे १९२४ आ १९२८ रहल अछि ।

एम. एस. सुब्बुलक्ष्मी

मदुरै शंमुखावदिवु सुब्बुलक्ष्मी (१६ सितम्बर १९१६ – ११ दिसम्बर २००४), एम.एस. कऽ नामसँ सेहो जानल जाइवाली, भारतीय शास्त्रीय संगीत गायक छल । ओ पहिल संगीतकार छल, जे भारत रत्न, भारतके सर्वोच्च नागरिक सम्मानसँ सम्मानित कएल गेल छल । ओ रेमन मैगसेसे पुरस्कार, प्राय: एशियाके नोबेल पुरस्कार मानल जाईवाला प्राप्त करैवालि पहिल भारतीय संगीतकार छल,

कानन देवी

कानन देवी बाङ्ला चलचित्रक प्रसिद्ध अभिनेत्री आ गायिका छल । बादमे ओ हिन्दी भाषा सीखि कऽ हिन्दी चलचित्रसभमे सेहो अभिनय केनए छल आ खूब लोकप्रिय सेहो भेल। हिनकर प्रारम्भिक जीवन बहुत गरीबीमे बिटल आ तखन हिनकर नाम कानन दासी छल । अभिनय सँ जुड़लाक बाद हिनकर नाम कानन बाला भेल आ बादमे ओ चलचित्रक क्षेत्रमे कानन देवीक नामसँ प्रसिद्ध भेल । हिनका सन १९७६ ई॰ कऽ लेल दादा साहब फाल्के पुरस्कार सँ सम्मानित कएलगेल छल ।

काशी हिन्दू विश्‍वविद्यालय

काशी हिन्दू विश्वविद्यालय या वनारस हिन्दू विश्वविद्यालय ([kaʃi hind̪u viʃvəvid̪yaləy])) वाराणसीमे अवस्थित एक केन्द्रीय विश्वविद्यालय छी । ई विश्वविद्यालयक स्थापना (बनारस हिन्दू विश्वविद्यालय नियम, नियम संख्या १६, सन् १९१५) महामना पण्डित मदन मोहन मालवीय द्वारा सन् १९१६ मे वसन्त पञ्चमीक पवित्र दिनमे भेल छल ।

वर्तमानमे ई विश्वविद्यालयक दुई परिसर अछि । मुख्य परिसर (१३०० एकड)मे विस्तृत ई वाराणसीमे अवस्थित अछि । मुख्य परिसरमे ३ संस्थान, १४ संकाय आ १२४ विभाग अछि। विश्वविद्यालयक दोसर परिसर भारतक मिर्जापुर जिलामे (२७०० एकड) अवस्थित अछि । ई एसियाक सबसँ पैग विश्वविद्यालय मध्ये एक छी ।

गोपाल कृष्ण गोखले

गोपाल कृष्ण गोखले (९ मई १८६६ - फरवरी १९, १९१६) भारत एक स्वतन्त्रता सेनानी, समाजसेवी, विचारक एवम सुधारक छल। महादेव गोविन्द रानाडेक शिष्य गोपाल कृष्ण गोखलेक वित्तीय मामलाक अद्वितीय समझ आ ओही पर अधिकारपूर्वक बहस करैके क्षमतासँ उनका भारतक 'ग्लेडस्टोन' कहल जाइत अछि। ओ भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेसमे सबसँ प्रसिद्ध नरमपन्थी छल। चरित्र निर्माणक आवश्यकतासँ पूर्णत: सहमत भ ओ १९०५ मे सर्वेन्ट्स अफ इण्डिया सोसायटीक स्थापना केलक ताकि नौजवानक सार्वजनिक जीवन के लेल प्रशिक्षित कएल जा सकी। उनकर माननाइ छल कि वैज्ञानिक आ तकनीकी शिक्षा भारतक महत्वपूर्ण आवश्यकता छी। स्व-सरकार व्यक्तिक औसत चारित्रिक दृढता आ व्यक्तिक क्षमता पर निर्भर करैत अछि। महात्मा गान्धी उनका अपन राजनीतिक गुरु मानैत छल।

तातेभिक साजानदार्यन

तातेभिक साजानदार्यन (१९१६–१९९९), एक सोभियत आ अर्मेनियाई अपरेटिभ मेजो-सोप्रानो छल, जे सन् १९५८ मे सोभियत सङ्घक सुप्रिम सोभियतक सदस्य बनल छल। ओ सन् १९३७ सँ सन् १९६१ धरि येरेभान ओपेरा थिएटरमे एकल कलाकारक रूपमे प्रदर्शन करैत छल।

दक्षिण अमेरिकी फुटबल सङ्घ

दक्षिण अमेरिकी फुटबल सङ्घ (स्पेनी: CONfederación sudaMEricana de FútBOL) छोटमे सीओएनएमइबीओएल (CONMEBOL) दक्षिण अमेरिका फुटबल सङ्घक प्रशासनिक तथा नियन्त्रण राखैवाला संस्था छी।

कोनमेबोल (CONMEBOL) दक्षिण अमेरिकी राष्ट्रिय फुटबल खेलसभक प्रतिनिधित्व करैत अछि, ई दक्षिण अमेरिका महाद्वीप भितर राष्ट्रिय फुटबल खेलक आयोजना करैत अछि आ प्रतिभागीसभक लेल पुरस्कार वितरण, रूपैया, नियम आ मिडिया अधिकार उपर नियन्त्रण राखैत अछि । एकर मुख्यालय लुक्वे, पाराग्वेमे स्थित अछि आ हाल ई सङ्घक प्रधान अध्यक्ष निकोलस लिओज छी ।

ई सङ्घ फिफाक सभ सँ छोट सङ्घ छी । ई सङ्घमे १० टा फुटबल सङ्घ सदस्य अछि ।

बोरोबुदुर

बोरोबुदुर विहार अथवा बरबुदुर इन्डोनेसियाक मध्य जाभा प्रान्तक मगेलाङ नगरमे अवस्थित सन् ७५०-८५० कऽ मध्य निर्मित महायान बौद्ध विहार छी। ई वर्तमान समयमे संसारक सभ सँ पैग बौद्ध विहार छी। छः वर्गाकार चबुतरा पर बनल ई बौद्ध विहारमे तीन टा चबुतराकें उपरी भाग वृत्ताकार अछि। ई २,६७२ उच्चावचो आ ५०४ बुद्ध प्रतिमासभ सँ सुसज्जित अछि। एकर केन्द्रमे अवस्थित प्रमुख गुम्बदक चारो दिस स्तूपवला ७२ बुद्ध प्रतिमा अछि। ई विश्वक सभ सँ पैग आ विश्वक महानतम् बौद्ध मन्दिरसभमे सँ एक छी।एकर निर्माण ९अम शताब्दीमे शैलेन्द्र राजवंशक कार्यकालमे भेल छल। विहारक बनावट जाभाई बुद्ध स्थापत्यकलाकें अनुरूप अछि जे इन्डोनेसियाई स्थानीय पन्थक पूर्वज पूजा आ बौद्ध अवधारणा निर्वाणक मिश्रित रूप छी। विहारमे गुप्त कलाकें प्रभाव सेहो देखल जा सकैत अछि। ई विहारमे भारतक क्षेत्रीय प्रभावकें दर्शावैत अछि मुदा विहारमे स्थानीय कलाकें दृश्य आ तत्व पर्याप्त मात्रामे सम्मिलित अछि जे बोरोबुदुरकें अद्वितीय रूप सँ इन्डोनेसियाई निगमित करैत अछि। ई स्मारक गौतम बुद्धक एक पूजास्थल आ बौद्ध तीर्थस्थल छी। तीर्थस्थलक यात्रा ई स्मारकक नीचा सँ आरम्भ होएत अछि आ स्मारककें चारो दिस रहल बौद्ध ब्रह्माडिकीकें तीन प्रतीकात्मक स्तरसभ कामधातु (इच्छाकें दुनिया), रूपध्यान (रूपसभक दुनिया) आ अरूपध्यान (निराकार दुनिया) सँ होएत शीर्ष पर पहुँचैत अछि। स्मारकमे सीढ़िसभक विस्तृत व्यवस्था आ गलीसभक सङ्ग १४६० कथा उच्चावचो आ स्तम्भवेष्टनसभ सँ तीर्थयात्रीसभक मार्गदर्शन होएत अछि। बोरोबुदुर विश्वमे बौद्ध कलाकें सभ सँ विशाल आ पूर्ण स्थापत्य कलासभमे सँ एक छी।साक्ष्यसभक अनुसार बोरोबुदुर मन्दिरक निर्माण कार्य ९अम शताब्दीमे आरम्भ भेल आ १४अम शताब्दीमे जाभामे हिन्दू राजवंशक पतन आ जाभाई लोकद्वारा इस्लाम अपनेलाक बाद एकर निर्माण कार्य बन्द भेल छल। एकर अस्तित्वकें विश्वस्तर पर ज्ञान सन् १८१४ मे सर थोमस स्ट्यामफोर्ड र्‍याफल्सद्वारा आनल गेल आ एकर बाद जाभाकें ब्रिटेनक शासकद्वारा काजसभ आगा बढ़ाएल गेल। बोरोबुदुरकें एकर बाद कयन बेर मरम्मत करि संरक्षित रखवाक काज कएल गेल। एकर सभ सँ बेसी मरम्मत, युनेस्कोद्वारा एकरा विश्व सम्पदा क्षेत्रक रूपमे सूचीबद्द करलाक बाद सन् १९७५ सँ सन् १९८२ कऽ मध्य इन्डोनेसिया सरकार आ युनेस्कोद्वारा कएल गेल।बोरोबुदुर एखनो तीर्थयात्रीसभक लेल खुला अछि आ वर्षमे एक बेर वैशाख पूर्णिमाक दिन इन्डोनेसियामे रहल बौद्ध धर्मावलम्बी स्मारकमे उत्सव मनवैत अछि। बोरोबुदुर इन्डोनेसियाक सभ सँ अधिक भ्रमण कएल जाएवला पर्यटन स्थल छी।

ब्राजिल राष्ट्रिय फुटबल टिम

ब्राजिल राष्ट्रिय फुटबल टिम (पोर्चुगिज: Seleção Brasileira) अन्तर्राष्ट्रिय पुरुष फुटबल प्रतियोगितामे ब्राजिलक प्रतिनिधित्व करैत अछि । ब्राजिल राष्ट्रिय फुटबल टिम ब्राजिल फुटबल महासङ्घद्वारा परिचालित अछि । ई टिम सन् १९२३ सँ फिफा आ सन् १९१६ सँ कोन्मेबोलक सदस्य छी ।

मुख्य अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल प्रतियोगिता फिफा विश्वकपमे ब्राजिल सभ सँ सफल टिम छी । १९५८, १९६२, १९७०, १९९४, २००२ विश्वकप प्रतियोगिता करि ब्राजिल अखन धरि ५ टा फिफा विश्वकप प्रतियोगिता जित्ने अछि ।

भारत रत्न

भारत रत्न भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान छी। ई सम्मान राष्ट्रिय सेवाक लेल प्रदान कएल जाएत अछि । ई सेवासभ छी कला, साहित्य, विज्ञान आ सार्वजनिक सेवा । ई सम्मानक स्थापना २ जनवरी, १९५४ मे भारतक तत्कालीन राष्ट्रपति श्री राजेन्द्र प्रसादद्वारा कएल गेल छल । अन्य अलङ्करणक समान ई सम्मान सेहो नामक संग पदवीक रूपमे नै लेल जाएत अछि । प्रारम्भमे ई सम्मान मरणोपरान्त देवाक प्रावधान नै छल, ई प्रावधान सन् १९५५मे जोडल गेल । अहि पश्चात अखन धरिक सम्मानमे १० व्यक्तिसभक मरणोपरान्त भारत रत्न प्रदान प्रदान कएल गेल अछि ।

अन्य प्रतिष्ठित पुरस्कारसभमे पद्म विभूषण, पद्म भूषण आ पद्मश्रीक नाम लेल जा सकएत अछि ।

महादेवी वर्मा

महादेवी वर्मा (२६ मार्च १९०७ — ११ सितम्बर १९८७) हिन्दीक सर्वाधिक प्रतिभावान कवयत्रीसभमे सँ छी। ओ हिन्दी साहित्य मे छायावादी युग के चारि प्रमुख स्तम्भसभ मे सँ एक मानल जाइत अछि। आधुनिक हिन्दीक सभसँ सशक्त कवयत्रीमे सँ एक होए के कारण हुनका आधुनिक मीरा के नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि। कवि निराला हुनका “हिन्दी के विशाल मन्दिरक सरस्वती” सेहो कहैत अछि। महादेवी स्वतन्त्रता के पहिनुक भारत सेहो देखलक् आ ओकर बादके सेहो। ओ ओ कविसभमे सँ एक अछि जे व्यापक समाज मे काम करैत भारत के भीतर विद्यमान हाहाकार, रुदन के देखौलक्, परखलक् आ करुण भऽ अन्धकार के दूर करै वाला दृष्टि देए के कोशिश केलक। न केवल हुनकर काव्य बल्कि हुनकर सामाजसुधार के कार्य आ महिलासभक प्रति चेतना भावना सेहो ई दृष्टि सँ प्रभावित रहल। ओ मनक पीडा के एतेक स्नेह आ शृङ्गार सँ सजौलक् कि दीपशिखा मे ओ जन-जन के पीडा के रूप मे स्थापित भेल आ ओ केवल पाठकसभक ही नै समीक्षकसभक सेहो गहिराई धरि प्रभावित केलक।

ओ खडी बोली हिन्दीक कवितामे ओ कोमल शब्दावलीक विकास केलक जे अखन धरि केवल बृजभाषा मे ही सम्भव मानल जाइत छल। एकर लेल ओ अपन समय के अनुकूल संस्कृत आ बाङ्गला के कोमल शब्दसभक चुनिके हिन्दीक जामा पहनावल गेल। सङ्गीत के जानकार होए के कारण हुनकर गीतसभक नाद-सौन्दर्य आ पैनी उक्तिसभक व्यञ्जना शैली अन्यत्र दुर्लभ अछि। ओ अध्यापन सँ अपन कार्यजीवन के शुरूआत केलक् आ अन्तिम समय धरि ओ प्रयाग महिला विद्यापीठ के प्रधानाचार्या बनल रहल। हुनकर बाल-विवाह भेल परन्तु ओ अविवाहित के भान्ति जीवन-यापन केलक। प्रतिभावान कवयत्री आ गद्य लेखिका महादेवी वर्मा साहित्य आ सङ्गीत मे निपुण होए के साथ-साथ कुशल चित्रकार आ सृजनात्मक अनुवादक सेहो छल। हुनका हिन्दी साहित्य के सभ महत्त्वपूर्ण पुरस्कार प्राप्त करवाक गौरव प्राप्त अछि। भारत के साहित्य आकाश मे महादेवी वर्माक नाम ध्रुव तारेक भान्ति प्रकाशमान अछि। गत शताब्दीक सर्वाधिक लोकप्रिय महिला साहित्यकार के रूप मे ओ जीवन भर पूजनीय बनल रहल।

वर्ष २००७ हुनकर जन्म शताब्दी के रूप मे मनाएल गेल।

माँ

माँ वा माता कोनो बच्चाके जन्म दैवाला आ पालनपोषण करनिहार अथवा शुकाणु सँ मिल बच्चाक विकासक लेल अण्ड प्रदान करैवाला महिलाके कहल जाएत अछि ।

ललिता पवार

ललिता पवार भारतीय चलचित्र क्षेत्रक एक बहुप्रसिद्ध अभिनेत्री छी ।

वराहगिरी वेङ्कट गिरी

वराहगिरी वेङ्कट गिरी या बिबी गिरी (१० अगस्त १८९४ - २३ जुन १९८०) भारतक चारिम राष्ट्रपति छल। हुनकर जन्म ब्रह्मपुर, उडिसामे भेल छल ।

वर्षसभक सूची

ई पृष्ठम ईशवीय सन् क वर्षसभक सूचिबद्ध करने अछि.

शुद्धदेव झा 'उत्पल'

शुद्धदेव झा 'उत्पल' 1916-

गोड्डा जिलाक अलखदत्त-महेनपुरक निवासी। जन्म १६ अक्टूबर १९१६ ई.।

श्यामानन्द सिंह

संगीत भाष्कर राजकुमार श्यामानन्द सिंह १९१६-१९९४

अन्य भाषासभमे

This page is based on a Wikipedia article written by authors (here).
Text is available under the CC BY-SA 3.0 license; additional terms may apply.
Images, videos and audio are available under their respective licenses.