युरोपेली सङ्घ

युरोपेली सङ्घ युरोप महादेशमे रहल २८ टा राष्ट्रसभक एकटा राजनैतिक तथा आर्थिक सङ्घ छी । जहिमे आपसी प्रशासकिय साझेदारी होमएत अछि, जे सङ्घक सब राष्ट्रमे लागु होएत अछि । एकर उदय सन् १९५७ मे रोमक सन्धिद्वारा युरोपेली आर्थिक परिषदक माध्यम सँ ६ युरोपेली देशसभक आर्थिक समर्थनद्वारा भएल छल । तहि समय सँ अखन धरि अहि सङ्घमे राष्ट्सभक सङ्ख्या बढि रहल अछि । सङ्घ अखनधरि अपन नीति तथा नियमसभने परिवर्तन करैत सुधार जारी राखने अछि जेकर फल:स्वरूप ई सङ्घ दृढ बनैत गेल अछि ।

युरोपेली सङ्घ
युरोपेली सङ्घक झन्डा
झन्डा
राष्ट्रिय वाक्य"संयुक्ततामे विविधता"
राष्ट्रगानओडे टु जोए

युरोपियन युनियनक सदस्य राष्ट्रसभ (हरियर)
युरोपियन युनियनक सदस्य राष्ट्रसभ (हरियर)
राजधानीब्रसेल्स
पैग सहर लण्डन
सरकारी भाषा २४ भाषा
सदस्य राष्ट्र
नेतासभ
 -  सङ्घक अध्यक्ष होजे म्यानुअल बरोसो
 -  परिषदक अध्यक्ष हर्मन भान रम्प्यु
व्यवस्थापिका युनियनका सभासद
 -  उपरका सदन युनियनको परिषद
 -  निचल्का सदन युरोपियन संसद
स्थापना
 -  पेरिस सन्धि सन् १९५२ जुलाई २३ 
 -  रोम सन्धि सन् १९५८ जनवरी १ 
 -  मर्जर सन्धि सन् १९६७ जुलाई १ 
 -  मास्ट्रिच सन्धि सन् १९९३ नवम्बर १ 
 -  लिस्बन सन्धि सन् २००९ दिसम्बर १ 
क्षेत्रफल
 -  पुरा ४३,८१,३७६ किमी२ (सातम)
१६,९१,६५८ वर्गमाइल
 -  पानी (%) ३.०८
जनसंख्या
 -  २०१२ अनुमान ५०,७८,९०,१९१ (तेसर)
 -  जनघनत्व ११६.२/किमी 
./वर्ग माइल
जिडिपी (पिपिपी) २०१४ अनुमान
 -  कूल $१६.७७३ ट्रिलियन (दोसर)
 -  प्रतिव्यक्ति आय $३३,०८४ (१७अम)
जिडिपी (नाम मात्र) २०१४ अनुमान
 -  कूल $१८.४५१ ट्रिलियन (पहिल)
 -  प्रतिव्यक्ति आय $३६,३९३ (१६अम)
गिनी (२०१०) ३०.४ 
मानव विकास सूचकांक (२०११) ०.८७६ (१३अम)
मुद्रा युरो
समय क्षेत्र (युटिसी+० सँ +२)
 -  ग्रीष्ममे (डिएसटि)  (युटिसी+१ सँ +३)
इन्टरनेट टिएलडी .eu
वेबसाइट
europa.eu
टेलिफोन कोड नं. २८ कोड

इतिहास

दोसर विश्वयुद्ध पश्चात युरोपक राष्ट्रसभ एकताक दिस लागल । जहि अनुरुप इटाली, बेल्जियम, फ्रान्स, लक्जेम्बर्ग, नेदरल्यान्ड आ पश्चिम जर्मनी मिल युरोपेली कोइला तथा स्टिल समुदायक स्थापना केलक ।

इटाली

इटाली युरोप महाद्वीपक दक्षिणमे स्थित एक देश छी जेकर मुख्यभूमि एक प्रायद्वीप छी । इटालीक उत्तरमे आल्प्स पर्वतमाला अछि जहिमे फ्रान्स, स्विजरल्याण्ड, अस्ट्रिया तथा स्लोभेनियाक सीमा आएत अछि। सिसली तथा सार्डिनिया, जे भूमध्य सागरक दू सब सँ पैग द्वीप छी, इटालीक अङ्ग छी । भ्याटिकन सिटी तथा सान मारिनो इटालीक अन्तर्गत समाहित दू स्वतन्त्र देश छी ।

इटाली, युनानक बाद युरोपक दोसर प्राचीनतम राष्ट्र छी । रोमक सभ्यता तथा इटालीक इतिहास देशके प्राचीन वैभव तथा विकासक प्रतीक छी । आधुनिक इटाली सन् १८६१ मे राज्यक रूपमे गठित भेल छल । देशक धीमा प्रगति, सामाजिक सङ्गठन तथा राजनितिक उथल-पुथल इटालीक २,५०० वर्षक इतिहास सँ संबद्ध अछि । देशमे पूर्वकालमे राजतन्त्र छल जेकर अन्तिम राजघराना सेवाय छल । जुन, सन् १९४६ सँ देश एक जनतान्त्रिक राज्यमे परिवर्तित भ गेल ।

इटालीक राजधानी रोम प्राचीन कालक एक शक्ति आ प्रभाव सँ सम्पन्न रोमन साम्राज्यक राजधानी रहल अछि ।

उत्तरी साइप्रस

उत्तरी साइप्रस आधिकारिक रूपमे टर्कीय गणतन्त्र उत्तरी साइप्रस (टीआरएनसी; स्वयम-घोषित राज्य राज्य छी जे साइप्रस द्वीपक उत्तरपूर्वी भाग समावेश करैत अछि । टर्की द्वारा मात्र मान्यता प्राप्त, उत्तरी साइप्रसके अन्तर्राष्ट्रिय समुदाय द्वारा साइप्रस गणतन्त्रक भाग मानैत अछि ।

गिब्राल्टार

गिब्राल्टार (अङ्ग्रेजी: Gibraltar जिब्रल्तार) इबेरियन प्रायद्विपक छेउ तथा मेडिटेरियनक शुरुक भागमे अवस्थित बेलायती स्वशासित भूभाग छी । एकर क्षेत्रफल ६८ वर्ग किलोमिटर अछि । एकर उत्तरी सिमाना स्पेनक एन्डालुसिया संग जोडिएल अछि । गिब्राल्टार क्षेत्रक प्रमुख सिमाचिन्ह गिब्राल्टारक चट्टान छी ।

चलचित्र निर्देशक

चलचित्र निर्देशक (अङ्ग्रेजी: Film Director) एक एहन व्यक्ति छी जे चलचित्र निर्माणक निर्देश आ रेखदेख करैत अछि । आम तौर पर, एक निर्देशक पटकथाक दृश्यसभकें आकार दैत अछि आ चलचित्रकें कलात्मक आ नाटकीय पहलुसभकें नियन्त्रित करैत अपन सहयोगी कलाकारसभ तथा प्राविधिक टोलीकें अपन परिकल्पना पूरा करवाक दिशामे निर्देशित करैत अछि । कलाकार दल, उत्पादन डिजाइन आ चलचित्र निर्माणक रचनात्मक पहलुसभकें चुनावमे निर्देशकक भूमिका महत्वपूर्ण रहैत अछि । युरोपेली सङ्घ कानूनक तहत, निर्देशककें लेखकक रूपमे देखल जाइत अछि ।चलचित्र निर्देशक कलाकारसभ आ अपन चलचित्र दलकें निर्देश दैत अछि आ एक समग्र दृष्टि बनबैत अछि जकर माध्यमसँ एक चलचित्र अन्ततः जीवन्त भऽ जाइत अछि वा सूचित भऽ जाइत अछि । निदेशकसभकें रचनात्मक दृष्टिमे मतभेदसभ उपर मध्यस्थता केनाए आ चलचित्रक तय बजेटक सीमाक भीतर रहवाक लेल सक्षम होनाए चाही । चलचित्र निर्देशक बनिक लेल कयन मार्ग अछि । किछ चलचित्र निर्देशक पहिने पटकथाकार, सिनेमाकार, चलचित्र सम्पादक या अभिनेताक रूपमे काज केनए अछि । अन्य चलचित्र निर्देशकसभ चलचित्र विद्यालयसभसँ अध्ययन केनए अछि ।

थेरेसा मे

थेरेसा मेरी मे (जन्म १ अक्टुबर १९५६) संयुक्त अधिराज्य क प्रधानमन्त्री आ कन्जर्वेटिभ पार्टीक नेता छी । ओ सन् १९९७ सँ मेडनह्याड सिट सँ संसदक सदस्य (सांसद) छी । एहि सँ पूर्व मार्गरेट थ्याचर वर्ष १९७९ सँ १९९० धरि ब्रिटेनक पहिल महिला प्रधानमन्त्री रहल छल । ई तँ साफ अछि जे डेविड क्यामरुनद्वारा जनमत सङ्ग्रहद्वारा ब्रिटेन युरोपेली सङ्घ सँ बाहर आबैक फैसला बाद अपन पद सँ इस्तिफा देनए छल, जेकर बाद १३ जुलाई, २०१६ क दिन थेरेसा ब्रिटेनक दोसर महिला प्रधानमन्त्रीक रूपमे पदभार ग्रहण केलक ।

पोर्चुगल

पोर्चुगल एक युरोप महादेशक राष्ट्र छी ।

पोल्यान्ड

पोल्याण्ड (पोलिस: Polska [ˈpɔlska]), आधिकारिक रूपसँ गणतन्त्र पोल्यान्ड (पोलिस: Rzeczpospolita Polska, सुनी ) केन्द्रीय युरोपमे अवस्थित एक देश छी । एकर सिमाना पश्चिममे जर्मनी, दक्षिणमे चेक गणतन्त्र आ स्लोभाकिया, पूर्वमे युक्रेन आ बेलारुस, आ उत्तरमे बाल्टिक सागर, लिथुवानिया आ रुससँ जुड़ल अछि । बाल्टिक सागरक एकर जल सिमाना डेनमार्क आ स्विडेनसँ साझा अछि । पोल्यान्डक कूल क्षेत्रफल ३,१२,६८५ वर्ग किलोमिटर (१,२०,७२८ वर्ग माइल) अछि ।

फिनल्यान्ड

फिनल्यान्ड, (फिनिस: Suomen tasavalta सुओमेन तासावाल्ता या Suomi सुओमी) आधिकारिक तौर पर फिनल्यान्ड गणराज्य उत्तरी युरोपक फेनोस्केनेडियन क्षेत्रमे स्थित एक नर्डिक देश छी । एकर सीमा पश्चिममे स्वीडेन, पूर्वमे रूस आ उत्तरमे नर्वे स्थित अछि, जबकि फिनल्यान्ड खाडीक पार दक्षिणमे एस्टोनिया स्थित अछि । एकर राजधानी हेलसिन्की छी ।

फ्रान्स

फ्रान्स (फ्रान्सेली उच्चारण: फ्राँस) युरोपमे रहल एकटा देश छी। एकर राजधानी पेरिस छी। फ्रान्समे बहत महत्वपूर्ण शहरसभ अछि।

युरोपेली सङ्घक सदस्य राष्ट्रसभ

अन्य भाषासभमे

This page is based on a Wikipedia article written by authors (here).
Text is available under the CC BY-SA 3.0 license; additional terms may apply.
Images, videos and audio are available under their respective licenses.