भौगोलिक निर्देशाङ्क प्रणाली

भौगोलिक निर्देशाङ्क प्रणाली संख्या या अक्षरक प्रयोग करि पृथ्वीक हरेक स्थानक निर्दिष्ट करए बाला निर्देशाङ्क प्रणाली छी । एहि में दुई वा तीन संख्याके प्रतिनिधित्व होएत अछि । जहि में एक ठार अवस्थिति, उचाई आर तेसर स्थिति प्रतिनिधित्व करएत अछि । [१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. A Guide to coordinate systems in Great Britain v1.7 October 2007 D00659 accessed 14.4.2008
जामा मस्जिद, दिल्ली

जामा मस्जिदक निर्माण सन् १६५६ मे सम्राट शाहजहा द्वारा कएल गेल छल। ई पुरानी दिल्लीमे स्थित अछि। ई मस्जिद लाल आ सङ्रगमरक पत्थरसभ सँ बनाओल गेल अछि। लाल किला सँ ५०० मी. कऽ दूरी पर जामा मस्जिद स्थित अछि जे भारतक सबसँ बड़का मस्जिद छी। ई मस्जिदक निर्माण १६५० मे शाहजहा द्वारा शुरु कराओल गेल छल। एकरा बनऽमे ६ वर्ष समय आ १० लाख रु.लागल छल। बलुआ पत्थर आर उज्जर सङ्रगमर सँ निर्मित ई मस्जिदमे उत्तर आ दक्षिण द्वार सँ प्रवेश कएल जाऽ सकैत अछि। पूर्वी द्वार केवल शुक्रदिनक मात्र खुलैत अछि। एहीके सम्बधमे कहल जाइत अछि की सुल्तान एही द्वारक प्रयोग करैत छलाह। एकर प्रार्थना गृह खुब सुन्दर अछि। एहीमे एगारह मेहराब अछि जहीके बीच वला महराब अन्य सँ किछ बड़का अछि। एकर ऊपरमे बनल गुम्बदसभ कऽ उज्जर आर कारी सङ्रगमर सँ सजाओल गेल अछि जे निजामुद्दीन दरगाहऽक याद दिलाबैत अछि।

अन्य भाषासभमे

This page is based on a Wikipedia article written by authors (here).
Text is available under the CC BY-SA 3.0 license; additional terms may apply.
Images, videos and audio are available under their respective licenses.