भाषा

भाषा ओ साधन छी जकर प्रयोगद्वारा हम अपन विचारसभकें व्यक्त करैत छी आ एकर लेल अपनासभ वाचिक ध्वनिकें उपयोग करैत छी ।

भाषा मुख सँ उच्चारित होमएवाला शब्दसभ आ वाक्यसभ आदिकें ओ समूह छी जकर प्रयोगद्वारा मनक बात बताएल जाएत अछि । कोनो भाषाक सम्पूर्ण ध्वनिसभक प्रतिनिधि स्वन छी जे एक व्यवस्थामे मिश्रित भऽ एक सम्पूर्ण भाषाक अवधारणा बनबैत अछि । व्यक्त नाद कऽ ओ समष्टि छी जकर सहायता सँ कोनो एक समाज या देशक लोक अपन मनोगत भाव तथा विचार एक दोसर पर प्रकट करैत अछि ।

Human Language Families (wikicolors)
विभिन्न भाषा-परिवार
अङ्ग्रेजी भाषा

अङ्ग्रेजी एक पश्चिम-जर्मनिक भाषा अछि । प्रारम्भमे, ई मात्र इङ्ल्यान्डमे बाजल जाइत छल, मुदा अखन ई विश्वव्यापी रूपमे बाजल जाइत अछि। बेलायत, संयुक्त राज्य अमेरिका, क्यानाडा, दक्षिण अफ्रिका, अस्ट्रेलिया, आ न्युजिल्यान्डमे मुख्य बोलीके रूपमे ई भाषाक प्रयोग कएल जाइत अछि। ई विश्वके बहुत रास स्थानमे बाजल जाइवाला भाषा छी। अङ्ग्रेजी भाषाके विश्वके बहुत देशसभमे अन्तर्राष्ट्रिय भाषाके रुपमे सेहो बाजल जाइत अछि।

उर्दु भाषा

उर्दू भाषा (उर्दु: اُردُو) नेपाल , भारत ,बाङ्लादेश आ पाकिस्तान मे बोलल जाय वाला भाषा अछि । इ पाकिस्तानक राष्ट्रिय भाषा अछि । प्राय इ भाषा मुसलमानसभदूवारे बाजल जाइत अछि । उर्दू भाषा संस्कृत आ और हिन्दूस्तानीक फारसीकरण करल जाएवला अप्रभंशित भाषा मानल जाइत अछि । इ फारसी-अरब तथा नस्तलीक लिपीसँ लिखल जाइत अछि । बाबर आ मुघल सुल्तानसभ इ भाषाक हिन्दूस्तान लऐलाह ।

ओखलढुङ्गा जिला

ओखलढुङ्गा जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे पडैवाला पहाडी जिलामे सँ एक छी। पूर्वसँ पश्चिमतर्फ क्रमश चौडा होएत गेल ई जिलाक तीन दिशासँ नदी छुट्टेने अछि। उत्तरमे सोलुखुम्बु जिला, दक्षिणमे उदयपुर आ सिन्धुली जिलासँ जोडल ई जिलाक पूर्वमे खोटाङ जिलासँ दुधकोशी नदी आ पश्चिममे रामेछाप जिलासँ लिखू नदी छुट्टेने अछि। नेपालक ७५ जिलामे सँ जनसङ्ख्याक हिसाबमे ५९अम स्थान आ क्षेत्रफलक हिसाबसँ ६८अम स्थान ओगट्ने ई जिलाक कूल भू-भागमे सँ सदरमुकाम ओखलढुङ्गा बजार(सिद्धिचरण नगरपालिका)सँ बहुत कम क्षेत्र पूर्वमे आ बहुतरास क्षेत्र पश्चिममे पडैत अछि । युगकवि सिद्धिचरण श्रेष्ठक जन्म भूमि समेत कहिक पहिचानल जाइवाला ई साहित्यिक उर्वर भूमिमे अभिरवंशी गोपालवंशी एवं किराँतवंशी राजासभ राज्य कएल पवैत अछि। वि.सं २०१८ सालक प्रशासनिक विभाजन पूर्व हालक सोलुखुम्बु, ओखलढुङ्गा आ खोटाङ जिलासभ पूर्व ३ नम्बर ओखलढुङ्गामे पडैत छल।

कास्की जिला

कास्की जिला नेपालक गोर्खा प्रदेशक गण्डकी अञ्चलमे अवस्थित एक पर्यटकीय जिला छी । ई जिला अन्नपूर्ण हिमश्रृङ्खला तथा माछापुच्छ्रे हिमालयक काखमे रहल अछि । कास्की जिलाक सदरमुकाम पोखरा छी । राजधानी काठमाडौंसँ करीब २०० किलोमिटर पश्चिममे रहल ई जिला प्राकृतिक रूपसँ अत्यन्त मनोरम स्थान अछि ।

गोर्खा जिला

गोरखा जिला गण्डकी अञ्चलक नेपालके एकटा जिला अछि। गोरखा जिलाके सदरमुकाम गोरखा बजार छी जे पृथ्वीनारायण नगरपालिकामे अवस्थित अछि।

झापा जिला

झापा जिला नेपालक ७५ जिलामे सँ एकटा जिला छी । ई जिला मेची अञ्चलमे अवस्थित अछि । ई जिलाक क्षेत्रफल १६०६ वर्ग कि.मी. आ जनसङ्ख्या करीव ७ लाख अछि । ई जिलाक पूर्व आ दक्षिणमे भारत, उत्तरमे इलाम, पश्चिममे मोरङ आ सुनसरी जिला पडैत अछि । मानव विकास समग्र सूचकाङ्कमे तेसर स्थानमे रहल ई जिलाक सदरमुकाम चन्द्रगढी छी, जे पूर्वी पश्चिम राजमार्गके बिर्तामोडसँ १३ कि.मी. दक्षिणमे पडैत अछि । नेपालक सबसँ कम अवनति भेल भू-भाग केचना कवल ५८ मिटर आ सबसँ लम्बा पक्की पुल कन्काई (७०२ मिटर) सहो ई जिलाम पडैत अछि । देशक केन्द्रीय राजनीतिमे मुख्य भूमिका खेलैत आबै वला झापा जिला खाद्यान्न उत्पादनक लेल सेहो महत्वपूर्ण जिला छी ।

तनहुँ जिला

तनहुँ जिला नेपालक गण्डकी अञ्चलक अवस्थित एकटा पहाडी जिला छी । दमौली बजार ई सदरमुकाम छी । नेपालक पश्चिमान्चल विकास क्षेत्र अन्तर्गत गण्डकी अ‍ञ्चलक दक्षिण पूर्वमा अवस्थित तनहुँ जिला मुलत: महाभारत श्रृङखला आर मध्य पहाडी भु-भागमक विकासोन्मुख जिला छी । ई काठमाडौंसँ १०० कि. मी. पश्चिम आर पोखरासँ १९ कि. मी. पूर्वम अवस्थित अछि । मानचित्रम ई जिला ८३°७५ " सँ ८४°३४" पूर्वी देशान्तर, २७°३" सँ २८°०५" उत्तरी अक्षांश तक फैलल अछि । ई जिलाक क्षेत्रफल १५४६ वर्ग कि.मी आ कुल नेपालक भूभागक १.०५% रहल अछि ।

दोलखा जिला

दोलखा नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्र अन्तर्गत जनकपुर अञ्चलक उत्तरदिशामे अवस्थित एक पहाडी जिला छी । ई जिला नेपालक मानचित्रमा २७० २८" उत्तरसँ २८० ००" उत्तरी अक्षांश र ८५० ५०" पूर्वसँ ८६० ३२" पूर्वी देशान्तरसँ फैलल अछि। कूल २१९१ वर्ग कि.मी. क्षेत्रफल भेल ई जिलाक पूर्वमे सोलुखुम्बु आ रामेछाप जिला, पश्चिममे सिन्धुपाल्चोक जिला, उत्तरमे चीनक स्वशासित क्षेत्र तिब्बत आ दक्षिणमे रामेछाप जिला पडैत अछि। नेपालक राजधानी काठमाडौंसँ १३३ कि. मी. पूर्वमे पडैवाला ई जिलाक सदरमुकाम चरिकोट छी । समुद्र सतहसँ ७६२ मी. (सितली) उचाइसँ ७१३४ (गौरीशंकर) धरिक उचाईमे रहल ई जिलाक गौरीशंकर हिमालक आधार मानि नेपालक प्रमाणिक समय निर्धारण कएल गेल अछि।

२००७ साल पूर्व आ पश्चात २०१८ सालधरि सेहो पूर्व २ नं. गोश्वराक प्रशासनिक ईकाइक रूपमे रहल दोलखाक २०१८ सालसँ मात्र अलग जिलाक रूपमे अस्तित्वमे आएबतो सेहो २०२४ सालसँ मात्र अदालत, मालपोत, प्रहरी, हुलाक, स्वास्थ्य जेहन जिला स्तरीय कार्यालयसभ स्थापना होमए लगल अछि। ऐतिहासिक स्थल दोलखाक नामसँ नामाकरण कएल गेल ई जिलाक किछ स्थानसभमे किराँत वा लिच्छवीकालसँ ही बस्ती बसल गेल अनुमान अछि।

नवलपरासी जिला

नवलपरासी नेपालक एक जिला छी। पूर्बक नवलपुर आर पश्चिमक परासी क्षेत्र जोइड २०१८ सालम ई जिलाक नवलपरासी नामाकरण कएल गेल छल। ई सं पहिल रूपन्देही जिलाक पाल्ही माझखण्ड कहैत छल ।

नुवाकोट जिला

नुवाकोट जिला नेपालक मानचित्रमे मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक बागमती अञ्चल अर्न्तगत राजधानी काठमाडौंंसँ उत्तर-पश्चिम दिशामे अवस्थित एक ऐतिहासिक पृष्ठभूमिसँ सज्जित जिला छी ।

नेपाल

नेपाल (/nəˈpɔːl/; Nepāl अङ्ग्रेजी: Federal Democratic Republic of Nepal), आधिकारिक नाम: सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल एक दक्षिण एसियाली भूपरिवेष्ठित हिमाली राष्ट्र छी । एकर भौगोलिक अक्षांश २६ डिग्री २२ मिनेटसँ ३० डिग्री २७ मिनेट उत्तर आ ८० डिग्री ४ मिनेटसँ ८८ डिग्री १२ मिनेट पूर्वी देशान्तरधरि फैलल अछि । एकर कूल क्षेत्रफल १,४७,१८१ वर्ग किलोमिटर अछि । ई क्षेत्रफल पृथ्वीक कूल क्षेत्रफलक ०.०३% आ एसिया महादेशक ०.३% छी । लण्डन स्थित ग्रीनवीच मिनटाइमसँ पूर्वमे रहल गौरीशङ्कर हिमालयक नजदिक भऽ गेल ८६ डिग्री १५ मिनट पूर्वी देशान्तरक आधार मानि नेपालक प्रमाणिक समय ५ घण्टा ४५ मिनेट आगा मानल जाइत अछि ।

नेपालमे ७ प्रदेश आ ७५ जिला आ ७४४ स्थानीय तह रहल अछि जहिमे ४ महानगरपालिका, १३ उपमहानगरपालिका, २४६ नगरपालिका आ ४८१ गाउँपालिका रहल अछि ।नेपालक पूर्वी सीमा मेची नदीसँ पश्चिमी सीमा महाकाली नदीधरिक कूल लम्बाई ८८५ किलोमिटर अछि । उत्तरसँ दक्षिण तरफक चौडाई मुदा एक समान नै अछि । पूर्वी भागसँ पश्चिमी भाग कनिक चौडा अछि । तहिना मध्य भाग कनि खुम्चल अछि । नेपालक अधिकतम चौडाई २४१ किलोमिटर आ न्युनतम चौडाई १४५ किलोमिटर रहल अछि । यसर्थ नेपालक सरदर चौडाई १९३ किलोमिटर रहल अछि । नेपालक उत्तरमे चीनक स्वशासित क्षेत्र तिब्बत अछि तँ दक्षिण, पूर्व आ पश्चिममे भारत अवस्थित अछि । नेपालक ८०% सँ बेसी नागरिक हिन्दू धर्म मानैत अछि जे विश्वमे सभसँ बेसी प्रतिशत हिन्दू धर्मावलम्बी भेल राष्ट्र सेहो छी । हिन्दू धर्म छोडि बौद्ध, मुस्लिम, किरात आदि धर्म माननिहार लोकनि सेहो एतय बसोबास करैत अछि । एकटा छोट सन क्षेत्रक लेल नेपालक भौगोलिक विविधता बहुतेक उल्लेखनीय रहल अछि । एतय तराईक उष्ण फाँटसँ ठण्डा हिमालयक शृङ्खला अवस्थित अछि । संसारक सभसँ पैग १४ हिमश्रृङ्खलामे सँ ८ टा नेपालमे रहल अछि, एहिमे सँ संसारक सर्वोच्च शिखर सगरमाथा एक छी । नेपालक मुख्य शहर आ राजधानी काठमाण्डौ छी । काठमाडौं, ललितपुर आ भक्तपुरके काठमाडौं उपत्यका कहल जाइत अछि । आन मुख्य शहर सभमे भरतपुर, बिराटनगर, भैरहवा, वीरगञ्ज, जनकपुर, पोखरा, नेपालगञ्ज, धनगढी, राजविराज आ महेन्द्रनगर अवैत अछि । नेपाल शब्दक उत्पतिक सम्बन्धमे कोनो ठोस प्रमाण तँ उपलब्ध नै अछि, मुदा एक प्रसिद्ध विश्वास अनुसार मरिची ॠषिक पुत्र 'ने' मुनिद्वारा पालन भेल स्थानक रूपमे एतौका नाम नेपाल रहल गेल अछि।

निरन्तर रूपमे राजा-रजौटा सभक अधीनमे रहि सम्पन्न इतिहास रहल, अखन नेपाल कहि चिन्हल जाइवला ई खण्ड वि.सं. २०४६ सालक आन्दोलन पश्चात् संवैधानिक राजतन्त्रक नीति अवलम्बन केनए छल ।

नेपाली भाषा

नेपाली भाषा नेपालक राष्ट्रभाषा, माध्यम वा सम्पर्क भाषा तथा भारत, भुटान आ बर्माक किछ भागमे मातृभाषाक रूपमे बाजल जाइवाला भाषा छी । ई भाषा भारोपेली भाषा परिवार समूहमे अबैत अछि । ई भाषा नेपाल आ भारतक आधिकारिक (सरकारी कामकाजक) भाषा सेहो छी । नेपालक करिब आधा जनसङ्ख्या अपन मातृभाषाक रूपमे ई भाषा बजैत अछि । देवनागरी लिपिमे लिखल जाइवाला ई भाषामे २ प्रकारक वर्णमाला अछि । स्वरवर्णमे १२ आ व्यञ्जनवर्णमे ३६ टा वर्णसभ रहल अछि । अक्षर लेखन आ उच्चारण एके भेलाक कारण ई भाषा सिकैलेल बहुत सहज भेल कारण एकर लोकप्रियता बढल अछि ।

बङ्गाली भाषा

बङ्गाली भाषा (/bɛŋˈɡɔːli/), अथवा बङ्गला भाषा (/ˈbɑːŋlɑː/; বাংলা [ˈbaŋla]) (बङ्गला लिपिमे : বাংলা ভাষা / बाङ्ला), बांग्लादेश आ भारतक पश्चिम बङ्गाल आ उत्तर-पूर्वी भारतक त्रिपुरा तथा असम राज्यक किछ प्रान्तसभने बाजल जाइवला एक प्रमुख भाषा छी । भाषा परिवारक दृष्टिसँ ई हिन्द युरोपेली भाषा परिवारक सदस्य छी । ई परिवारक अन्य प्रमुख भाषासभमे हिन्दी, नेपाली, पञ्जाबी, गुजराती, असमिया, ओड़िया, मैथिली इत्यादी भाषासभ छी । बङ्गाली भाषा बाजनिहारसभक सङ्ख्या लगभग २३ करोड अछि आ ई विश्वक छठम सबसँ पैग भाषा छी । ई भाषा बाजनिहार बांग्लादेश आ भारत वाहेक विश्वक बहुतसँ अन्य देशसभमे फैलल अछि ।

मैथिली भाषा

मैथिली (/ˈmaɪtᵻli/; Maithilī) भारोपेली भाषा छी जे मुख्य रूपमे भारतक उत्तरी बिहार आ नेपालक पूर्वी मधेस क्षेत्रसभमे बाजल जाइत अछि जनकपुर धाम में ई प्राचीन भाषा सेह‍ो बाजल जाई छैत समूह भारोपेली भाषा परिवार अन्तर्गत आवैत अछि आ भाषाशास्त्रक हिसाबसँ बङ्गाली, आसामी, उडिया आ नेपालीसँ एकर निकट सम्बन्ध अछि । ई भाषाक अपन तिरहुता लिपि अछि मुदा हाल एकर प्रयोग न्यून देखल जाइत अछि । हाल मैथिली भाषा देवनागरीमा लिखल जाइत अछि ।

मैथिली भाषा भारतक संविधानक आठम अनुसूची आ नेपालक संविधानक अनुसुचीमे सम्मिलित आ साहित्य परिषदद्वारा मान्यता प्राप्त भाषा छी ।

सन् २००२ मे मैथिली भाषाक भारतक संविधानक आठम धारामे समावेश कएल गेल जहिसँ भाषाक शिक्षा, सरकारी निकाय आ अन्य आधिकारिक प्रयोजनमे प्रयोग कऽ सकैत अछि। सन् २०१५ मे मैथिली भाषाके नेपालक संविधान २०७२क भाग १, धारा ५ मे आधिकारिक भाषाक रूपमे राखल गेल अछि ।

भारतक ई एक सभसँ पैघ भाषाक अन्तर्गत आवैत अछि तहिना नेपालक ई दोसर सभसँ बेसी बाजल जाइवाला भाषा छी । सन् २०११ धरि ई भाषा लगभग ४ करोड ४७ लाख लोकसभद्वारा बाजल जाइत अछि जहिमे सँ नेपालमे मात्र २८ लाख आ भारतमे ३ करोड ४७ लाख लोक मातृभाषाक रुपमे ई भाषाक प्रयोग करैत अछि ।

रामेछाप जिला

रामेछाप नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्र, जनकपुर अञ्चलम अवस्थित एकटा दुर्गम पहाडी जिला छी। राजधानी समेत रहल मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक १९ हम जिला मे अवस्थित रामेछाप सेवा सुविधाक हिसावसँ एकटा विकट क्षेत्र छी। राजधानीसँ जुडल काभ्रेपलाञ्चोक जिला, चीनसँ सीमा जोडल दोलखा आर ओखलढुङ्गा जिला आर तराई जुडल सिन्धुली जिलाक बीचक १,५४६ वर्ग किलोमिटरको ई जिला पर्याप्त श्रोत आर साधन भेलाह पश्चात उपेक्षित अवस्थाम अछि।

लमजुङ जिला

लमजुङ नेपालक पश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्र अन्तर्गत अबस्थित गण्डकी अञ्चलकs ६टा जिलासभ मध्ये एक ऐतिहासिक महत्व रहल जिला छी ।

सिन्धुली जिला

सिन्धुली नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्र, जनकपुर अञ्चलमे अवस्थित एक जिला छी। ई जिला नेपालक भित्री मधेसमे अवस्थित अछि। राजधानीसँ नवनिर्मित बिपी राजमार्गक बाट भऽ ई जिला पहुँचैमे १८५ किलोमिटर यात्रा करै पडैत अछि।

सोलुखुम्बु जिला

सोलुखुम्बु जिला (नेपाली: सोलुखुम्बु जिल्ला listen , शेर्पा: ཤར་ཁུམ་བུ་རྫོང་ཁ། Wylie: shar khum bu dzong kha), नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलक उत्तरी भागमे अवस्थित हिमाली जिला छी। विश्व सम्पदा सूचीमे सुचिकृत नेपालक पहिचान (शेर्पा भाषा: ཇོ་མོ་གླང་མ།, Wylie: jo mo glang ma ) सगरमाथा हिमाल एही जिलामे पडैत अछि।

पूर्वाञ्चलमे सडक सुविधासँ आबद्ध भेल मात्र जिला होमएसँ एतय कऽ मनोरम हिमशिखर आ उच्च पर्वतीय क्षेत्र विश्व मानचित्रमे प्रसिद्ध रहल अछि। ई जिलाक पर्यटकसभक सांग्रिला कहि सेहो चिनहल जाइत अछि। विश्वक साहसी तथा प्राकृतिक तथा सांस्कृतिक विषयमे रुची राखैवाला सभक लेल ई जिला हरपल आकर्षित करैत रहल पावैत अछि। ई जिला पूर्वाञ्चलक जिलासभमे सभसँ कम जनघनत्व भेल जिलामे पडैत अछि। ई जिलामे ३१ टा गाउँ विकास समितिसभ अछि आ १ टा नगरपालिका सेहो अछि।

स्याङ्जा जिला

स्याङ्जा जिला नेपालके एकटा जिला अछि ।

हिन्दी भाषा

हिन्दी संवैधानिक रूपसँ भारतक भाषा आ भारतमे सबसँ बेसी बाजल जाइवला आ सम्झल जाइवला भाषा छी । चीनीक बाद ई विश्वमे सबसे अधिक बाजल जाइवाला भाषा छी ।

हिन्दी आ एकर बोली उत्तर आ मध्य भारतक विविध राज्य सभमे बाजल जाइत अछि। भारत आ अन्य देशमे ६० करोड़सँ बेसी लोक हिन्दी बाजैत अछि, फिजी, मरिसस, गुयाना, सुरिनेमक अधिक्तर जनता हिन्दी बाजैत अछि तहिना नेपालक तराई क्षेत्रमे किछ जनतासभ हिन्दी बाजैत अछि ।

अन्य भाषासभमे

This page is based on a Wikipedia article written by authors (here).
Text is available under the CC BY-SA 3.0 license; additional terms may apply.
Images, videos and audio are available under their respective licenses.