नगरपालिका

नगरपालिका सामान्यत एकटा व्यापारिक केन्द्र आर आत्म-सरकार वा क्षेत्राधिकार छी जहि में सामान्यत सामान्य सुविधा सम्पन्न भेल एक शहरी प्रशासनिक केन्द्र होएत अछि ।[१] एकटा नगरपालिका एगो सामान्य-उद्देश्य भेल प्रशासनिक उपशाखा छी । नगरपालिका (Municipality) शब्द फ्रान्सेली "municipalité" आर ल्याटिन शब्द "municipalis" सँ लेल गेल अछि । एकटा नगरपालिका सार्वभौम राज्यसँ ल कोनो भी राजनीतिक क्षेत्राधिकार भ सकएत अछि ।[२]

सन्दर्भ सामाग्री

  1. "Municipality", Merriam-Webster।
  2. "municipality definition", Yourdictionary.com।

बाह्य जडीसभ

ओखलढुङ्गा जिला

ओखलढुङ्गा जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे पडैवाला पहाडी जिलामे सँ एक छी। पूर्वसँ पश्चिमतर्फ क्रमश चौडा होएत गेल ई जिलाक तीन दिशासँ नदी छुट्टेने अछि। उत्तरमे सोलुखुम्बु जिला, दक्षिणमे उदयपुर आ सिन्धुली जिलासँ जोडल ई जिलाक पूर्वमे खोटाङ जिलासँ दुधकोशी नदी आ पश्चिममे रामेछाप जिलासँ लिखू नदी छुट्टेने अछि। नेपालक ७५ जिलामे सँ जनसङ्ख्याक हिसाबमे ५९अम स्थान आ क्षेत्रफलक हिसाबसँ ६८अम स्थान ओगट्ने ई जिलाक कूल भू-भागमे सँ सदरमुकाम ओखलढुङ्गा बजार(सिद्धिचरण नगरपालिका)सँ बहुत कम क्षेत्र पूर्वमे आ बहुतरास क्षेत्र पश्चिममे पडैत अछि । युगकवि सिद्धिचरण श्रेष्ठक जन्म भूमि समेत कहिक पहिचानल जाइवाला ई साहित्यिक उर्वर भूमिमे अभिरवंशी गोपालवंशी एवं किराँतवंशी राजासभ राज्य कएल पवैत अछि। वि.सं २०१८ सालक प्रशासनिक विभाजन पूर्व हालक सोलुखुम्बु, ओखलढुङ्गा आ खोटाङ जिलासभ पूर्व ३ नम्बर ओखलढुङ्गामे पडैत छल।

काभ्रेपलाञ्चोक जिला

काभ्रेपलाञ्चोक जिला नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक बागमती अञ्चलक एकटा जिला छी। नेपाल एकीकरणपूर्व वर्तमान काभ्रे जिला बनेपा, पनौती, धुलिखेल, पाँचखाल, खोपासी, नाला, साँगा, साठीघर भगवती(पलाञ्चोक), मण्डन, दाप्चा, नाल्दुम, चौकोट नगरपालिका तथा गाउँ विकास समितिसभक कारण इतिहासक पन्नामे जीवन्त छल। ई एतिहासिक जिला पुरान धार्मिक स्थल आ उद्योगिक महत्वक लेल चिनहल जाइत अछि।

कैलाली जिला

कैलाली नेपालक सुदूरपश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रक सेती अञ्चलमे अवस्थित समथर भूभाग तथा पहाड मिश्रित जिला छी । ई जिलाक क्षेत्रफल ३,२३५ वर्ग किलोमिटर आ जनसङ्ख्या (२०६८) ७,७५,७०९ रहल अछि । कैलाली जिलाक सदरमुकाम धनगढी छी। ई जिलामे छ टा नगरपालिका अछि :लम्की चुहा नगरपालिका, टीकापुर नगरपालिका, अत्तरिया नगरपालिका, घोडाघोडी नगरपालिका, भजनी-त्रिशक्ती नगरपालिका आ धनगढी उपमहानगरपालिका । टीकापुरमे अवस्थित टीकापुर वृहत उद्यान नेपालक सबसँ पैग मानव निर्मित उद्यान छी तहिने कैलाली जिलामे रहल घोडाघोडी तालके विश्व सम्पदा सूचीक संरक्षित सिमसार क्षेत्रमे राखल गेल अछि ।

गाउँपालिका

गाउँपालिका (अङ्ग्रेजी: Gaupalika| अनुवाद: ग्रामीण नगरपालिका) गाउँ विकास समितिके विस्तार करि बनाएल गेल नेपालक नव स्थापित स्थानीय प्रशासनिक एकाई छी । वि.सं. २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा ७४४ स्थानीय तह लागू करवाक समय गाविस विघटन करि ४ सय ७९ गाउँपालिका बनाएल गेल छल ।

चितवन जिला

चितवन जिला नेपालक प्रदेश नं. ३क पश्चिमी भागमे अवस्थित एक जिला छी। ई जिलाक बहुतरास भू-भाग चितवन उपत्यकामे रहल अछि तँ एकर उत्तरी भागमे महाभारत पर्वत श्रृङ्खला अछि। भरतपुर नेपालक एक पैग बजार आ चितवनक सदरमुकाम छी। भरतपुर नेपालक मध्य पश्चिम क्षेत्रक व्यापारिक नगर छी। एही क्षेत्रमे पैग-पैग व्यापारिक तथा सेवा संस्थासभ अछि। भरतपुर मध्यक्षेत्रमे बसोवास करि नेपाली जनताक लेल उच्च शिक्षा, व्यापार आ यातायातक केन्द्र बिन्दु मानल गेल अछि । नारायणघाट नारायणी नदीक किनारमे बैसल चितवनक दोसर पैग बजार छी। चितवन जिलाक क्षेत्रफल २२३८.३९ वर्ग किलोमिटर रहल अछि। उक्त क्षेत्रफलमे सँ ९०८.७९ वर्ग किलोमिटर चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक क्षेत्रफल बाहेक बाँकी क्षेत्रफल १३२९.६० वर्ग किलोमिटरक गाउँ विकास समिति आ सात नगरपालिका भरतपुर उप महानगरपालिका, रत्ननगर नगरपालिका, खैरहनी नगरपालिका, चित्रवन नगरपालिका, माडी नगरपालिका, आ नारायणी नगरपालिका, कालिका नगरपालिका, राप्ती नगरपालिकामे विभाजन कएल गेल अछि।

जिला समन्वय समिति

नेपाल सरकार स्थानीय तह निर्वाचन ऐन २०७३ आ नियमावली २०७३ जारी करै ७४४ स्थानीय तह (गाउँपालिका आ नगरपालिका) पुनर्संरचना भऽ राजपत्रमे प्रकाशन भेलसग साविक जिला विकास समितिसभके स्थानीय तहक समन्वय करैल स्थानीय विकास मन्त्रालयक भूमिकामे जिला समन्वय समिति गठन करै व्यवस्था केने अछि । जिला विकास समिति कारण आएल कार्यकारिणी कार्यसभ अखन स्थानीय तह करत तथा जिला समन्वयन समिति समन्वय आ अनुगमन मात्र करैत अछि । स्थानीय तह निर्वाचन सम्पन्न भऽ सब निर्वाचितसभके सपथ लेलपछा जिला समन्वय समितिक प्रक्रिया सुरू होएत । जिला समन्वय समितिमे प्रमुख आ उपप्रमुख सहित ९ सदस्य निर्वाचित होएवाला अछि । समितिमे तीन सदस्य महिला अनिवार्य होएत नियममे व्यवस्था अछि ।

डडेल्धुरा जिला

डडेल्धुरा जिला (अङ्ग्रेजी: Dadeldhura District सुनु नेपालक सुदूर-पश्चिमाञ्चलक महाकाली अञ्चलक एकटा पहाडी जिला छी । एहि जिलाके सिमाना पूरवमे डोटी, उत्तरमे बैतडी आर दक्षिणमे कञ्चनपुर सँ जोडल अछि आर एहि जिलाक पश्चिममे भारतक उत्तराखण्ड परएत अछि ।

दार्चुला जिला

दार्चुला जिल्ला सुदुरपश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रमे पडएत अछि । इ जिल्ला महाकालीक जिल्लामे सँ एक जिल्ला अछि । दार्चुला जिल्लामे १ नगरपालिका आ ३६ गाविस अछि ।

धनकुटा जिला

धनकुटा जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक, कोशी अञ्चलमे अवस्थित पहाडी जिला छी । ई जिलाक सदरमुकाम धनकुटा नगरपालिका पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रके क्षेत्रीय सदरमुकाम सेहो छी ।

विक्रम सम्बत २०१९ साल पहिले विभिन्न नामसँ देशक प्रशासनिक एकाईके रूपमे काम करैत आएल धनकुटा वि.सं. २०१९ साल बैशाख १ गते तात्कालिन राजा महेन्द्रके शासनकालमे धनकुटा जिला कहिके नामाकरण कएल गेल । ई जिलाके पूर्वमे तेह्रथुम और पाँचथर जिला, पश्चिममा भोजपुर र उदयपुर, उत्तरमे संखुवासभा जिला र दक्षिणमे मोरङ और सुनसरी जिला रहल अछि । एना चारुदिसके जिलासभसॅ घेरिक होइतो भी धनकुटा जिलाके उपरके जिलासभके सिमाना विभिन्न खोला और नदीसभसॅ छुट्टयाएल गेल छल । वि.सं. २०३२ सालमे तत्कालिन सुनसरी जिलाक आहाले गाविस ई जिलामे समाविष्ट भेलाके बाद ८९१ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे विस्तृत भेल धनकुटा जिला हाल ३५ गाविससभ, एक नगरपालिका, ११ इलाका तथा दुई निर्वाचन क्षेत्रमे विभक्त रहल अछी।

नेपालक प्रशासनिक विभाजन

नेपालक भूभाग ५ विकासक्षेत्र, १४ अञ्चल आर ७५ जिलासभ, २१७ नगरपालिका तथा ३१५७ गाविस मे वर्गीकृत अछि ।

नेपालक स्थानीय तहसभ

नेपालक संविधान २०७२क धारा ५६ अनुसार सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपालक मूल संरचना सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय तह करि ३ तह होइत आ नेपालक राज्य शक्तिक प्रयोग सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय तह ई संविधान तथा कानून बमोजिम करत कहि उल्लेख कएल गेल अछि । स्थानीय तह अन्तर्गत गाउँपालिका, नगरपालिका आ जिला सभा/जिला समन्वय समिति रहवाक व्यवस्था अछि । वाडक सङ्ख्या सङ्घीय कानून वमोजिम कएल जाइत । नेपालमे वि.सं. २०७३ फागुन २७ सँ ७ सय ४४ टा स्थानीय तहसभ कार्यान्वयनमे आएल छल । हाल स्थानीय तहक कुल सङ्ख्या ७ सय ४४ सँ बढि ७ सय ६६ पहुँचल अछि ।

भक्तपुर जिला

भक्तपुर (भादगाउँ वा ख्वःप) नेपालक प्रदेश नं. ३मे अवस्थित एक प्राचीन शहर छी जे काठमाडौं उपत्यकाक पूर्वी भागमे अवस्थित अछि । क्षेत्रफलक हिसाबसँ भक्तपुर जिला नेपालक सभसँ छोट जिला छी । मध्यपुर (थिमी) नगरपालिका सेहो एहि जिलामे अवस्थित अछि । भक्तपुर जिला भादगाँउले टोपी आ जुजु धौ नामक स्थानीय दहीक परिकारक लेल प्रसिद्ध अछि । भक्तपुरमे ख्वःप कलेज आ ख्वःप इन्जिनियरिङ्ग कलेजसभ अछि जे भक्तपुर नगरपालिकासँ सञ्चालन करैत अछि ।

वार्ड (प्रशासनिक विभाग)

वार्ड (ward) स्थानीय प्रशासनक लेल स्थापित कएल गेल एक छोट भौगोलिक क्षेत्र होइत अछि जे सामान्यतया कोनो गाम, नगरक भौगोलिक वितरणक एकटा कोनो निश्चित क्षेत्र पर आधारित होइत अछि । अस्ट्रेलिया, क्यानाडा, न्युजिल्यान्ड, संयुक्त राज्य अमेरिका, ब्रिटेन, दक्षिण अफ्रिका, मोनाको आ किछ अन्य क्षेत्रसभमे ई एक चुनावक्षेत्र सेहो होइत अछि । भारतमे मुम्बई आ दिल्ली जका नगरसभमे ई एक प्रशासनिक विभाग होइत अछि ।नेपालमे वार्ड एक राजनैतिक विभाग छी जकर आधारमे गाउँपालिका, नगरपालिका, उपमहानगरपालिका आ महानगरपालिकाक निर्माण कएल जाइत अछि । सन् २०१६ मे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा नेपालमे ७४४ स्थानीय तह लागू करलाक बाद नेपालमे ४ टा महानगरपालिका, १३ टा उपमहानगरपालिका, २ सय ४६ नगरपालिका आ ४ सय ८१ गाउँपालिका कायम भेल अछि । नेपालक स्थानीय तहमे कूल ६ हजार ६ सय ८० टा वार्ड कायम भेल अछि ।

सङ्खुवासभा जिला

सङ्खुवासभा जिला नेपालके एकटा जिला अछि । सङ्खुवासभा नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक कोशी अञ्चलमे अवस्थित हिमाली भेगक एक दुर्गम जिला छी। ई जिला पूर्वमे ताप्लेजुङ आ तेह्रथुम, पश्चिममे सोलुखुम्बू आ भोजपुर जिला, उत्तरमे चीनक तिब्बत आ दक्षिणमे तेह्रथुम आ धनकुटा जिलाक चौबन्दीमे रहल अछि। ई नेपालक कुल क्षेत्रफलक २.३६%, पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक १२.१९% आ कोशी अञ्चलक ३५.६८% भू-भाग ओगटने अछि। समुन्द्री सतहसँ ४५७ मिटर (संसारक सभसँ छोटका अरुण उपत्यका) सँ विश्वक पाँचम उंच हिमशिखर मकालु ८४६३ मिटरधरिक उचाईमे रहल ई जिला २७ डिग्री ६' उत्तरसँ २७ डिग्री ५५' उत्तरी अक्षांशधरि आ ८६ डिग्री ५७' पर्वसँ ८७ डिग्री ४०' पूर्वी देशान्तरधरि फैलल अछि। उत्तरतर्फ चौडा भागमे मनोरम हिमाली श्रृंखलासभसँ सजल ई जिलाक दक्षिणतर्फ साँगुरल गेल भागमे बसोबासयुक्त पहाडी भूभाग रहल अछि। ई जिलाक आर्थिक श्रोत कृषिमे निर्भर रहल अछि। आर्थिकरूपसँ सक्रिय जनसंख्या ६०.७३% होएतो ओकर ७७.६२% कृषिमे आ २२.३८% गैरकृषि पेशामे निर्भर अछि।

सिन्धुली जिला

सिन्धुली नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्र, जनकपुर अञ्चलमे अवस्थित एक जिला छी। ई जिला नेपालक भित्री मधेसमे अवस्थित अछि। राजधानीसँ नवनिर्मित बिपी राजमार्गक बाट भऽ ई जिला पहुँचैमे १८५ किलोमिटर यात्रा करै पडैत अछि।

सिराहा जिला

सिराहा जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे पूर्वीभागक दक्षिणी सिमानामे रहल जिला छी । ई जिलाक पूर्वमे सप्तरी जिला (बलान नदी), पश्चिममे धनुषा जिला (कमला नदी), उत्तरमे उदयपुर जिला (चुरे पहाड) तथा दक्षिणमे भारतक बिहार प्रदेश अवस्थित अछि । सिराहा जिला सगरमाथा अञ्चलक सब सँ कम क्षेत्रफल आ बेसी जनघनत्व भेल जिला छी । एतय प्राकृतिक रूपमे उत्तरी भेगमे उच्च, निर्मल जमीन बेसी अछि तहिने दक्षिणी भेगमे होंच आ समथर जमीन बेसी अछि । ई जिलाके १० गाउँपालिका, आ ६ नगरपालिका आ प्रतिनिधि सभाक लेल ४ निर्वाचन क्षेत्रमे विभाजन कएल गेल अछि ।

सुनसरी जिला

सुनसरी जिला (अङ्ग्रेजी: Sunsari District सुनु ) नेपालक पूर्वाञ्चलक कोशी अञ्चलमे रहल अत्याधिक जनघनत्व भेल जिला छी । ए जिलाके दक्षिणमे भारत, पूरबमे मोरङ जिला, उत्तरमे धनकुटा जिला आर पश्चिममे सप्तकोशी नदी सप्तरी जिलासँ छुटल अछि। इनरुवा ए जिलाके सदरमुकाम छि । १२५७ बर्ग कि.मि. क्षेत्रफल रहल ए जिलामे करिब ७ लाख लोगके बसोबास अछि। अधिकांश भाग तराईमें रहल सुनसरी जिलाबासीके मुख्य पेशा कृषि छि। धान, गहुँ, दलहन, तेलहन संगे उखु, जूट आर खैनी सेहो यी जिलामे उत्पादन होएत अछि। सुनसरी जिला दक्षिणमे समुद्र सतहसँ १५२ मिटर आर उत्तरमे ९१४ मिटर उचाईमें रहल अछि। यी जिलामे मुख्यतयाः राई, लिम्बू, बाहुन, क्षेत्री, थारू,सतार आदि जनजातिके बसोबास अछि।

सोलुखुम्बु जिला

सोलुखुम्बु जिला (नेपाली: सोलुखुम्बु जिल्ला listen , शेर्पा: ཤར་ཁུམ་བུ་རྫོང་ཁ། Wylie: shar khum bu dzong kha), नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलक उत्तरी भागमे अवस्थित हिमाली जिला छी। विश्व सम्पदा सूचीमे सुचिकृत नेपालक पहिचान (शेर्पा भाषा: ཇོ་མོ་གླང་མ།, Wylie: jo mo glang ma ) सगरमाथा हिमाल एही जिलामे पडैत अछि।

पूर्वाञ्चलमे सडक सुविधासँ आबद्ध भेल मात्र जिला होमएसँ एतय कऽ मनोरम हिमशिखर आ उच्च पर्वतीय क्षेत्र विश्व मानचित्रमे प्रसिद्ध रहल अछि। ई जिलाक पर्यटकसभक सांग्रिला कहि सेहो चिनहल जाइत अछि। विश्वक साहसी तथा प्राकृतिक तथा सांस्कृतिक विषयमे रुची राखैवाला सभक लेल ई जिला हरपल आकर्षित करैत रहल पावैत अछि। ई जिला पूर्वाञ्चलक जिलासभमे सभसँ कम जनघनत्व भेल जिलामे पडैत अछि। ई जिलामे ३१ टा गाउँ विकास समितिसभ अछि आ १ टा नगरपालिका सेहो अछि।

स्थानीय तह

नेपालक संविधान २०७२ अनुसार स्थानीय तह गाउँपालिका, नगरपालिका आ जिला सभा छी । गाउँपालिका एक भौगोलिक तथा शासकीय तह छी जकर कार्यकारिणी अङ्ग गाउँ कार्यपालिका होइत अछि तँ व्यवस्थापकीय कार्य कएनिहार अङ्ग गाउँ सभा छी । नगरपालिका एक भौगोलिक तथा प्रशासनिक एकाई छी जकर कार्यकारिणी अङ्ग नगर कार्यपालिका छी तँ व्यवस्थापिकीय कार्य कएनिहार अङ्ग नगर सभा छी । जिला सभा जिला भितरक गाउँँपालिका आ नगरपालिकाक समन्वय करैवाला कार्य करैत अछि । जिला विकास समितिद्वारा करैत आएल कार्यकारिणी कार्यसभ आब स्थानीय तहद्वारा कएल जाइत तथा जिला समन्वय समिति समन्वय आ अनुगमन मात्र करत ।नेपालक संविधान २०७२क धारा ५६ अनुसार सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपालक मूल संरचना सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय तह करि ३ तह होइत आ नेपालक राज्य शक्तिक प्रयोग सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय तह ई संविधान तथा कानून बमोजिम करत कहि उल्लेख कएल गेल अछि । स्थानीय तह अन्तर्गत गाउँपालिका, नगरपालिका आ जिला सभा/जिला समन्वय समिति रहवाक व्यवस्था अछि । वाडक सङ्ख्या सङ्घीय कानून वमोजिम कएल जाइत । नेपालमे वि.सं. २०७३ फागुन २७ सँ ७ सय ४४ टा स्थानीय तहसभ कार्यान्वयनमे आएल छल । हाल स्थानीय तहक कुल सङ्ख्या ७ सय ४४ सँ बढि ७ सय ६६ पहुँचल अछि ।

अन्य भाषासभमे

This page is based on a Wikipedia article written by authors (here).
Text is available under the CC BY-SA 3.0 license; additional terms may apply.
Images, videos and audio are available under their respective licenses.