अर्थशास्‍त्र

अर्थशास्त्र सामाजिक विज्ञानक ओ शाखा छी, जेकर अन्तर्गत वस्तुसभ आर सेवासभक उत्पादन, वितरण, विनिमय आर उपभोगक अध्ययन कएल जाएत अछि । 'अर्थशास्त्र' शब्द संस्कृत शब्दसभक अर्थ (धन) आर शास्त्रक सन्धीसँ बनल अछि, जेकर शाब्दिक अर्थ अछि - 'धनक अध्ययन' । कोनो विषयक सम्बन्धमे मुनष्यसभक कार्यसभक क्रमबद्ध ज्ञानक ओहि विषयक शास्त्र कहैत अछि , एहि लेल अर्थशास्त्रमे मुनष्यसभक अर्थसम्बन्धी कार्यसभक क्रमबद्ध ज्ञान होनाए आवश्यक अछि।[१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. Micro Economy
अमर्त्य सेन

अमर्त्य कुमार सेन (बङ्गाली : অমর্ত্য সেন; जन्म: ३ नवम्बर १९३३) एक भारतीय अर्थशास्त्री तथा दार्शनिक छी जे सन् १९७२ सँ संयुक्त राज्य अमेरिका तथा संयुक्त अधिराज्यक विभिन्न विश्वविद्यालयमे पढाबैत आबि रहल अछि । हुनका सन् १९९८ मे अर्थशास्त्रमे उत्कृष्ट योगदानक लेल नोबेल पुरस्कार प्रदान कएल गेल छल ।

अशोक गहलोत

अशोक गहलोत (जन्‍म: ३ मई १९५१) भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेसक राजनेता आ राजस्थानक वर्तमान मुख्यमन्त्री छी।

क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे नोबेल पुरस्कार

क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे नोबेल पुरस्कार (आकृति:Lang-sv) वार्षिक रुपमे क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे उल्लेखनीय योगदान करनिहार वैज्ञानिकसभके नोबेल समितिक कारोलिन्स्का संस्थानद्वारा प्रदान कएल जाइत अछि । ई ५ नोबेल पुरस्कार भौतिक शास्त्र, रसायन विज्ञान, साहित्य, शान्ति आ क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे सँ एक छी जकरा सन् १८९५ मे अल्फ्रेड नोबेलक इच्छा अनुसार स्थापना कएल गेल छल । ई पुरस्कार नोबेल फाउण्डेशनद्वारा प्रशासित आ एकेडमीद्वारा निर्वाचित पाँच सदस्य होइत अछि जे क्रिया विज्ञान तथा चिकित्साक लेल नोबेल समितिके प्रस्तावमे कारोलिन्स्का संस्थानद्वाराद्वारा सम्मानित कएल जाइत अछि । ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष दिसम्बर १० मे नोबेलक मृत्युक वार्षिकोत्सवमे एक वार्षिक समारोहमे स्टकहोममे प्रस्तुत कएल जाइत अछि । क्रिया विज्ञान तथा चिकित्साक पहिल नोबेल पुरस्कार सन् १९०१ मा जर्मन जीवशास्त्री एमिल अडोल्फ वन बेहरिङ्गके सीरम चिकित्सामे काम आ डिप्थेरिया विरुद्ध खोप विकासक लेल सम्मानित कएल गेल छल । ई विधामे नोबेल पुरस्कार पाबनिहार पहिल महिला गर्टी कोरी छी जे मधुमेहक उपचार सहित औषधीक बहुतेक पक्षसभक महत्त्वपूर्ण ग्लुकोजक चयापचयमे हुनकर भूमिकाक लेल सन् १९४७ मे पुरस्कृत कएल गेल छल ।

गिनी गुणाङ्क

गिनी गुणाङ्कके समनायत: गिनी सूचकाङ्क अथवा गिनी अनुपातक नाम सँ चिनल जाएत अछि । ई मुख्य रूप सँ एकटा राष्ट्रमे रहल व्यक्तिके आय वितरणमे धन आ आय असमानताक वितरणमे असमानताके मापन करैक लेल प्रयोग कएल जाएत अछि । ई गुणाङ्कके इटालीयाली तथ्याङ्कविद्द आ समाजशास्त्री कोर्राडो गिनीद्वारा विकसित कएल अछि आ ओ एहि गुणाङ्कके सन् १९१२ मे अपन लेख "परिवर्तनशीलता आ अस्थिरता" मे प्रकाशित केनए छल ।

जनक

जनक (English: Janaka) मिथिलाक ऐतिहासिक राजा छी । जनक वैदिकक राजासबक उल्लेख केल जाएवाला नाम छी । वैदेह राजा ऋगवैदिक कालक नमी सप्याक नामसँ छलाह, यज्ञ करैत सदेह स्वर्ग गेलाह, ऋगवेदमे वर्णन अछि । ओ इन्द्रकसंग देलन्हि असुर नमुचीक विरुद्ध आ ताहिमे इन्द्र हुनका बचओलन्हि । शतपथ ब्राह्मणक विदेघमाथव आ पुराणक निमि दुनू गोटेक पुरोहित गौतम छथि से दुनू एके छथि आ एतएसँ विदेह राज्यक प्रारम्भ। माथवक पुरहित गौतम मित्रविन्द यज्ञक/ बलिक प्रारम्भ कएलन्हि आ पुनः एकर पुनःस्थापना भेल महाजनक-२ क समयमे याज्ञवल्क्य द्वारा । निमि गौतमक आश्रमक लग जयन्त आ मिथि -जिनका मिथिला नामसँ सेहो सोर कएल जाइत छन्हि, मिथिला राज्यक निर्माण कएलन्हि। सीरध्वज जनक सीताक पिता छथि आ एतयसँ मिथिलाक राजाक सुदृढ़ परम्परा देखबामे अबैत अछि। कृति जनक सीरध्वजक बादक १८म पुस्तमे भेल छलाह । कृति हिरण्यनाभक पुत्र छलाह आ जनक बहुलाश्वक पुत्र छलाह । याज्ञवलक्य हिरण्याभक शिष्य छलाह, हुनकासँ योगक शिक्षा लेने छलाह। कराल जनक द्वारा एकटा ब्राह्मण युवतीक शील-अपहरणक प्रयास भेल आ जनक राजवंश समाप्त भए गेल (सन्दर्भ अश्वघोष-बुद्धचरित आ कौटिल्य-अर्थशास्त्र)।

जेन तिरोल

जेन मार्सेल तिरोल (जन्म ९ अगस्त १९५३) फ्रान्सक अर्थशास्त्री छी । ओ औद्योगिक संगठन, खेल सिद्धान्त, बैंकिंग आर वित्त तथा अर्थशास्त्र आर मनोविज्ञानक बिषयमे काम करैत आएब रहल अछि । सन् २०१४ क अर्थशास्त्र मे नोबेल पुरस्कार प्राप्त करने छल ।

जैसलमेर

जैसलमेर उच्चारण , उपनाम सुनहरा शहर, भारतक राजस्थान राज्यक राजधानी शहर जयपुरसँ ५७५ किलोमिटर (३५७ माइल) दक्षिणमे अवस्थित अछि । एक समयमे जैसलमेर राज्यक रूपमे जानल जाइवला ई शहर विश्व सम्पदा क्षेत्र छी । भारतक सुदूर पश्चिममे स्थित थार मरुभूमिमे जैसलमेरक स्थापना भारतीय इतिहासक मध्यकालक प्रारम्भमे सन् ११७८ क लगभग यदुवंशी भाटीक वंशज रावल-जैसलद्वारा कएल गेल छल । रावल जैसलक वंशजसभ एतय भारतक गणतन्त्रमे परिवर्तन होमए धरि बिना वंश क्रम भङ्ग केनए ७७० वर्ष सतत शासन केनए छल, जे अपने आप एक महत्वपूर्ण घटना छी । जैसलमेर राज्य भारतक इतिहासक कयन कालसभ देखलक व सहन केनए अछि । सल्तनत कालक लगभग ३०० वर्षक इतिहासमे चलैत ई राज्य मुगल साम्राज्यमे सेहो लगभग ३०० वर्षधरि अपन अस्तित्व कायम रखैमे सक्षम रहल । भारतमे अङ्ग्रेज राज्यक स्थापना सँ ल समाप्तिधरि सेहो ई राज्य अपन वंश गौरव आ महत्व यथावत रखलक । भारतक स्वतन्त्रताक पश्चात ई भारतीय गणतन्त्रमे विलीन भ गेल । भारतीय गणतन्त्रक विलीनकरणक समय एकर भौगोलिक क्षेत्रफल १६,०६२ वर्ग माइलक विस्तृत भू-भाग पर फैलल छल । रेगिस्तानक विषम परिस्थितिसभमे अवस्थित होमए क कारण एकर जनसङ्ख्या २०अम शताब्दीक प्रारम्भमे मात्र ७६,२५५ छल ।

जैसलमेर जिलाक भू-भाग प्राचीन कालमे माडधरा अथवा वल्लभमण्डल क नामसँ प्रसिद्ध छल । महाभारतक युद्धक बाद पैग सङ्ख्यामे यादव एहि दिस अग्रसर भेल आ एतय आबि बसि गेल । एतय अनेक सुन्दर हवेलीसभ आ जैन मन्दिरसभक समूह अछि जे १२हम सँ 15हम शताब्‍दीक मध्यमे बनाएल गेल छल ।

नोबेल पुरस्कार

नोबेल पुरस्कारक स्थापना सन् १९०० मे स्विडेनक वैज्ञानिक तथा विस्फोटक पदार्थ डाइनेमाइटक आविष्कारक अल्फ्रेड नोबेलक नाममे भल अछि । नोबेल फाउण्डेशनद्वारा स्वीडेनक वैज्ञानिक अल्फ्रेड नोबेलक स्मरणमे सन् १९०१ मे आरम्भ करल गेल ई पुरस्कार भौतिक, रसायन, साहित्य, शान्ति, क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सा आ अर्थशास्त्र क्षेत्रमे प्रदान करल जाइवाला विश्वक सर्वोच्च पुरस्कार छी । ई पुरस्कारक रूपमे प्रमाण-पत्रक साथमे १२,००,००० (बारह लाख अमेरिकी डलर) प्रदान करल जाइत अछि । अल्फ्रेड नोबेल कूल ३५५ आविष्कारसभ करलक जहिमे सन् १८६७ मे कएल गेल डायनामाइटक आविष्कार सेहो अछि । नोबेलक डायनामाइट तथा एहि प्रकारक विज्ञानक विध्वंसक शक्तिसभक बारेमे पूरा ज्ञान छल । सन् १८९६ क दिसम्बर १० मे देहान्त भेलाक बाद हुनकर कोनो उत्तराधिकारी नै छल । ओ अपन शेषक बाद सम्पति ककरो देब नै चाहै छल । सन् १८९५ मे ओ एक इच्छापत्र तयार करैलेल लगौलक जाहिमे अपन सम्पत्तिसँ अक्षयकोष स्थापना करल जाए जाहि सँ कोषसँ प्राप्त आम्दानीसँ विज्ञानदिस भौतिकशास्त्र, रसायनशास्त्र आर क्रिया विज्ञान तथा चिकित्साशास्त्रमे महत्वपूर्ण खोज आ आविष्कार करल, साहित्यक क्षेत्रमे पैग योगदान देनिहार आ विश्वशान्ति कायम करि विशेष योगदान पहुचाएल व्यक्ति आ संस्थाक नगद राशिसहितक पुरस्कार प्रदान करक व्यवस्था मिलाएल गेल । अल्फ्रेडक इच्छा अनुसार ई सम्पत्तिके ब्याजसँ प्रत्येक बर्ष मानव जातिक कल्याणक निम्ति कार्य करेवला लोकसभक सम्मानित कएल जाइत । ई सम्पत्ति स्वीडिस बैंकमे राखल अछि आ प्राप्त ब्याजसँ नोबेल फाउन्डेसनद्वारा प्रत्येक वर्ष शान्ति, साहित्य, भौतिक, रसायन, चिकित्सा विज्ञान आ अर्थशास्त्रमे सर्वोत्कृष्ट योगदान देनिहार व्यक्तित्वके पुरस्कृत कएल जाइत अछि । नोबेल फाउन्डेसनक स्थापना २९ जुन १९०० मे भेल अछि आर १९०१ सँ नोबेल पुरस्कार प्रदान कएल जाइत अछि । अर्थशास्त्रक क्षेत्रमे नोबेल पुरस्कारक शुरुवात सन् १९६८ सँ कएल गेल । पहिल नोबेल शान्ति पुरस्कार सन् १९०१ मे रेडक्रसका संस्थापक ज्यां हेनरी ड्युना आर फ्रेञ्च पीस सोसाइटीक संस्थापक अध्यक्ष फ्रेडरिक पैसीक संयुक्त रूपमे प्रदान कएल गेल छल ।

शान्तिदिसक पुरस्कार ओस्लो, नर्वेसँ आ अन्य पुरस्कारसभ स्टोकहोम, स्वीडेनसँ प्रदान कएल जाइत अछि ।

नोबेल शान्ति पुरस्कार

नोबेल शान्ति पुरस्कार (नर्वेजियन तथा स्वीडिश: Nobels fredspris) वार्षिक रुपमे विश्वमे शान्ति क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदान करैवाला व्यक्तिसभके नर्वेजियन नोबेल समिति प्रदान करैत अछि । ई ५ नोबेल पुरस्कार रसायन विज्ञान, भौतिक शास्त्र, साहित्य, शान्ति आ क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सा मेसँ एक छी जेकरा सन् १८९५ मे उद्योगपति, आविष्कारक, आ शस्त्रसभक निर्माता अल्फ्रेड नोबेल स्थापना केनए छल ।ई ओहन व्यक्तिसभके प्रदान कएल जाएत अछि जे सीमामे खटल सेनाके हटाबै या घटाबएक लेल आ शान्ति काङ्ग्रेसक आयोजन आ प्रबर्द्धनक लेल, राष्ट्रक बीच बिरादरी बढाबैक लेल सबसँ वा सबसँ बढिया काम करनिहार व्यक्तिसभके (किछ अपवादसंग) वार्षिक रुपसँ सम्मानित कएल जाएत अछि । ई पुरस्कार नर्वेजियन नोबेल समितिद्वारा प्रशासित आ संसदद्वारा निर्वाचित पाँच सदस्य होमएत अछि जे शान्तिक लेल नोर्वेक संसदक प्रस्तावमे सम्मानित करल जाएत अछि । ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष दिसम्बर १० मे नोबेलक मृत्युको वार्षिकोत्सवमे एक वार्षिक समारोहमे ओस्लो सिटी हलमे प्रस्तुत कएल जाएत अछि । ई पुरस्कार पहिने ओस्लोक कानुन संकाय (१९४७-१९८९), नार्वे नोबेल संस्थानक विश्वविद्यालयक एट्रियम (१९०५-४६), आ संसद (१९०१-०४) मे सम्मानित कएल गेल छल ।

नोबेल साहित्य पुरस्कार

नोबेल साहित्य पुरस्कार (आकृति:Lang-sv) वार्षिक रुपमे साहित्यमे उल्लेखनीय योगदान करनिहार साहित्यकारसभके स्वीडीश एकेडमीद्वारा प्रदान कएल जाइत अछि । ई ५ नोबेल पुरस्कार साहित्य, रसायन विज्ञान, शान्ति आ क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे सँ एक छी जकरा सन् १८९५ मे अल्फ्रेड नोबेलक इच्छा अनुसार स्थापना कएल गेल छल । ई पुरस्कार नोबेल फाउण्डेशनद्वारा प्रशासित आ एकेडमीद्वारा निर्वाचित पाँच सदस्य होइत अछि जे भौतिकशास्त्रक लेल नोबेल समितिके प्रस्तावमे शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा सम्मानित कएल जाइत अछि । ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष दिसम्बर १० मे नोबेलक मृत्युक वार्षिकोत्सवमे एक वार्षिक समारोहमे स्टकहोममे प्रस्तुत कएल जाइत अछि ।

भारतक नोबेल पुरस्कार विजेतासभक सूची

भारतक नोबेल पुरस्कार विजेता मे भारतीय नोबेल पुरस्कार विजेताक नाम अछि । नोबेल पुरस्कार नोबेल फेडरेसनद्वारा स्वीडेनक वैज्ञानिक अल्फ्रेड नोबेलक यादमे दएल जाएत अछि । जे शान्ति, साहित्य, भौतिक शास्त्र, चिकित्सा आ क्रिया विज्ञान, अर्थशास्त्र, रसायनक क्षेत्रमे देल जाएत अछि।

भौतिक शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार

भौतिक शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार (आकृति:Lang-sv) वार्षिक रुपमे भौतिक शास्त्रमे उल्लेखनीय योगदान करनिहार वैज्ञानिकसभके शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा प्रदान कएल जाइत अछि । ई ५ नोबेल पुरस्कार भौतिक शास्त्र, रसायन विज्ञान, साहित्य, शान्ति आ क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे सँ एक छी जकरा सन् १८९५ मे अल्फ्रेड नोबेलक इच्छा अनुसार स्थापना कएल गेल छल । ई पुरस्कार नोबेल फाउण्डेशनद्वारा प्रशासित आ एकेडमीद्वारा निर्वाचित पाँच सदस्य होइत अछि जे भौतिकशास्त्रक लेल नोबेल समितिके प्रस्तावमे शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा सम्मानित कएल जाइत अछि । ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष दिसम्बर १० मे नोबेलक मृत्युक वार्षिकोत्सवमे एक वार्षिक समारोहमे स्टकहोममे प्रस्तुत कएल जाइत अछि । भौतिक शास्त्रक नोबेल पुरस्कारके बहुतेक महत्वक संग वैज्ञानिकसभ देखैत अछि । भौतिक शास्त्रक पहिल नोबेल पुरस्कार जर्मनीक विल्हम कोनराड रोन्टगेनके असाधारण सेवाक मान्यतामे हुनकाद्वारा उल्लेखनीय खोज "किरण (वा एक्स-रे)"क लेल सम्मानित कएल गेल छल ।

महाभारत

महाभारत हिन्दुसभक एक प्रमुख काव्य ग्रन्थ छी, जे स्मृति वर्गमे आबैत अछि । कहियो कहियो मात्र भारत कहल जाइवाला ई काव्यग्रन्थ भारतक अनुपम धार्मिक, पौराणिक, ऐतिहासिक आ दार्शनिक ग्रन्थ छी । विश्वक सबसँ लम्बा ई साहित्यिक ग्रन्थ आ महाकाव्य, हिन्दू धर्मक मुख्यतम ग्रन्थसभमे सँ एक छी । ई ग्रन्थके हिन्दू धर्ममे पञ्चम वेद मानल जाइत अछि । यद्यपि एकरा साहित्यक सबसँ अनुपम कृतिसभमे सँ एक मानल जाइत अछि, मुदा आइयो ई ग्रन्थ प्रत्येक हिन्दू धर्मावलम्बीक लेल एक अनुकरणीय स्रोत छी । ई कृति प्राचीन भारतक इतिहासक एक गाथा छी । एहिमे हिन्दू धर्मक पवित्रतम ग्रन्थ भगवद्गीता सन्निहित अछि । सम्पूर्ण महाभारतमे लगभग १,१०,००० श्लोक अछि, जे युनानी काव्यसभ इलियड आ ओडिसीसँ परिमाणमे दस गुणा अधिक अछि ।हिन्दू मान्यतासभ, पौराणिक सन्दर्भसभ आ स्वयं महाभारतक अनुसार ई काव्यक रचनाकार वेदव्यास जी के मानल जाइत अछि । ई काव्यक रचयिता वेदव्यास जी अपन ई अनुपम काव्यमे वेदसभ, वेदाङ्गसभ आ उपनिषदसभके गुह्यतम रहस्यसभक निरुपण केनए अछि । एकर अतिरिक्त ई काव्यमे न्याय, शिक्षा, चिकित्सा, ज्योतिष, युद्धनीति, योगशास्त्र, अर्थशास्त्र, वास्तुशास्त्र, शिल्पशास्त्र, कामशास्त्र, खगोलविद्या तथा धर्मशास्त्रक सेहो विस्तारसँ वर्णन कएल गेल अछि ।

मुद्रा

मुद्रा ओ बस्तु अथवा लिखत छी जेकरा बिनिमय माध्यमक रूपमा प्रयोग कएल जाएत अछि आ बस्तु तथा सेवाके भुक्तानी तथा ऋण मोचनक लेल सामाजिक तथा कानूनी रूप सँ स्वीकार कएल जाएत अछि ।धातुसँ बनल सिक्का वा रूपैयाँ पैसाके मात्र मुद्रा कहैक चलन अछि ।

रघुराम राजन

रघुराम राजन (पूरा नाम: रघुराम गोविन्द राजन, तमिल: ரகுராம் கோவிந்த ராஜன் जन्म: 3 फरबरी 1963) भारतीय रिजर्व बैंकक २३अम गभर्नर छी । ४ सितम्बर २०१३ के दुव्वुरी सुब्बारावक सेवानिवृत्तिक पश्चात रघुराम ई पदभार ग्रहण केनए अछि । ई पदसँ पहिने ओ प्रधानमन्त्री, मनमोहन सिंहक प्रमुख आर्थिक सल्लाहकार आ शिकागो विश्वविद्यालयक बुथ स्कुल अफ बिजनेसमे एरिक जे ग्लिचर फाइनान्सक गणमान्य सर्विस प्रोफेसर छल । सन् २००३ सँ सन् २००६ धरि ओ अन्तर्राष्ट्रिय मुद्रा कोषक प्रमुख अर्थशास्त्री आ अनुसन्धान निर्देशक आ भारतमे वित्तीय सुधार कऽ लेल योजना आयोगद्वारा नियुक्त समितिक नेतृत्व सेहो केलक ।राजन मेसाचुसेट्स इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजीक अर्थशास्त्र विभाग आ स्लोन स्कुल अफ म्यानेजमेन्ट; नर्थवेस्टर्न विश्वविद्यालयक क्यालौग स्कुल अफ म्यानेजमेन्ट आ स्टकहोम स्कुल अफ इकोनोमिक्समे अतिथि प्रोफेसर सेहो रहल छल । ओ भारतीय वित्त मन्त्रालय, विश्व बैंक, फेडरल रिजर्व बोर्ड आ स्वीडिश संसदीय आयोगक सल्लाहकारक रूपमे सेहो काम केनए अछि । सन् २०११ मे ओ अमेरिकी फाइनान्स ऐसोसिएसनक अध्यक्ष छल तथा वर्तमान समयमे अमेरिकन एकेडेमी अफ आर्ट्स एन्ड साइन्सेजक सदस्य छी ।

रसायन शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार

रसायन शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार (आकृति:Lang-sv) वार्षिक रुपमे रसायन शास्त्रमे उल्लेखनीय योगदान करनिहार वैज्ञानिकसभके शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा प्रदान कएल जाइत अछि । ई ५ नोबेल पुरस्कार रसायन शास्त्र, रसायन विज्ञान, साहित्य, शान्ति आ क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे सँ एक छी जकरा सन् १८९५ मे अल्फ्रेड नोबेलक इच्छा अनुसार स्थापना कएल गेल छल । ई पुरस्कार नोबेल फाउण्डेशनद्वारा प्रशासित आ एकेडमीद्वारा निर्वाचित पाँच सदस्य होइत अछि जे रसायनशास्त्रक लेल नोबेल समितिके प्रस्तावमे शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा सम्मानित कएल जाइत अछि । ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष दिसम्बर १० मे नोबेलक मृत्युक वार्षिकोत्सवमे एक वार्षिक समारोहमे स्टकहोममे प्रस्तुत कएल जाइत अछि । रसायन शास्त्रक नोबेल पुरस्कारके बहुतेक महत्वक संग वैज्ञानिकसभ देखैत अछि । रसायन शास्त्रक पहिल नोबेल पुरस्कार नेदरल्याण्डक ज्याकब्स हेन्रिक्सके हुनकर खोज "रासायनिक गतिशीलता आ समाधानमे आसमाटिक दवाब नियमसभ"क लेल सम्मानित कएल गेल छल ।

व्यस्थापन स्नातक

ब्याचलर अफ कमर्स, बि.कम. (baccalaureus commercii, B.Com, या B.Comm.) वाणिज्य- व्यवस्थापनमे एक स्नातक उपाधि छी । ब्याचलर अफ कमर्स एक स्नातकक विषय छी जे तीन या चार वर्षमे पूर्ण कएल जाइत अछि । एहिमे कयन विषय होइत अछि - लेखा, वित्त, व्यापार प्रबन्धन, मानव संसाधन, साङ्ख्यिकी, विपणन, अर्थशास्त्र, सूचना प्रणालीसभ इत्यादि। ई सामान्य रूपसँ क्यानाडा, अस्ट्रेलिया, भारत, आयरल्यान्ड, न्युजिल्यान्ड, दक्षिण अफ्रिका, नेपाल लगायतक देशमे उपलब्ध अछि । वर्तमान समयमे ई उपाधि संयुक्त अधिराज्यमे उपलब्ध नै अछि ।

शेरबहादुर देउवा

शेरबहादुर देउवा नेपाली काँग्रेसक शीर्ष नेता आ नेपालक पुर्व प्रधानमन्त्री छी । ओ एहिसँ पहिने सन् १९९५ सँ १९९७, २००१ सँ २००२ आ २००४ सँ २००५ मे प्रधानमन्त्री बनि चुकल अछि । सन् २०१६ मे भेल नेपाली काङ्ग्रेसक १३हम महाधिवेशनसँ ओ पार्टी महासचिवमे निर्वाचित भेल अछि ।

साहित्य

कोनो भाषाक वाचिक आ लिखित (शास्त्रसमूह) कें साहित्य कहल जाए सकैत अछि । दुनियामे सभ सँ पुरान वाचिक साहित्य अपनासभकें आदिवासी भाषासभमे भेटैत अछि । ई दृष्टि सँ आदिवासी साहित्य सम्पूर्ण साहित्यक मूल स्रोत छी ।

अन्य भाषासभमे

This page is based on a Wikipedia article written by authors (here).
Text is available under the CC BY-SA 3.0 license; additional terms may apply.
Images, videos and audio are available under their respective licenses.